महेन्द्रनगर (धनुषा), ७ पुसः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्रदेश सभा कार्यालयमे आइ पदभार ग्रहण करैत ओ हम कोनो दलके प्रतिनिधि नै भ सम्पूर्ण प्रदेश सभाक सझिया अभिभावकके रूपमे निष्पक्ष भूमिका निर्वाह करब से बतौलैन ।
सभामुख यादव, राजनीतिक दलसभ बीच संवाद आ सहकार्यकेँ बढ़ावा देबाक बतौलैन । “मतभेद स्वाभाविक छै । मुदा, सहकार्य अपरिहार्य छै”, ओ कहलैन । प्रदेशक हितके लेल सब दल सङे समवंय करैत आगु बढ़बाक हुनक कहब छलैन ।
मधेशक मुद्दा समावेशिता, सुशासन, शिक्षा आ स्वास्थ्यके पहुँच, रोजगारी सिर्जना आ सीमावर्ती क्षेत्रक चुनौतीकेँ संसदीय कार्यसूचीमे प्राथमिकताके सङे उठेबाक ओ उल्लेख केलैन ।
प्रदेश सभा कार्यपालिकापर प्रभावकारी निगरानीके आवश्यकता भेल कहैत ओ बजेट कार्यावंयन, सार्वजनिक खर्चके पारदर्शिता आ सेवा प्रवाहके गुणस्तरमे सुधारक विषयमे संसद् सशक्त होबाक चाही से विचार व्यक्त केलैन ।
प्रदेश सभाकेँ लोकतान्त्रिक मूल्य–मान्यताअनुसार प्रभावकारी, उत्तरदायी आ मर्यादित रूपमे संचालन करबाक सभामुख यादव प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । “सभामुखके कुर्सी राजनीतिक आग्रह पूर्वाग्रहसँ उपर होइत छै । संविधान, कानून आ संसदीय नियमावलीके पूर्ण पालना कराबैत सभाकेँ जनउत्तरदायी बनेबाक हमर दायित्व रहत”, ओ कहलैन ।
सभामे अनुशासन, समयपालन आ स्वस्थ बहस संस्कृतिकेँ संस्थागत करबाक लेल हम दृढ़ रहब उल्लेख करैत सांसदसभकेँ रचनात्मक भूमिका निर्वाह करबाक लेल ओ आग्रह केलैन । समितिसभकेँ सक्रिय बनाबैत विधेयकसभमे गम्भीर परामर्श, संशोधन आ सहमति निर्माणमे सभामुखके भूमिकाकेँ प्रभावकारी बनेबाक हुनक कहब छलैन । (रासस)





