काठमाण्डू, ८ पुसः नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) नेपालमे आयोजन होएबला आइसीसी महिला टी–२० विश्वकप ग्लोबल छनौटक खेल तालिका सार्वजनिक केलक अइछ । उक्त प्रतियोगितामे विभिन्न १० देशके सहभागिता रहत ।
क्यानद्वारा आइ सार्वजनिक कएल गेल खेल तालिकाअनुसार नेपाल समूह ‘बी’ मे अइछ । नेपाली महिला क्रिकेट टोली पहिल बेर विश्वकप एसिया छनौट पार क ग्लोबल छनौटमे पहुँचल अइछ । नेपालक समूहमे स्कटल्यान्ड, थाइल्यान्ड, नेदरल्यान्ड्स आ जिम्बावे अइछ ।
अइगला जनावरी १४ तारिखसँ फरवरी १ तारिखधैर संचालन होएबला उक्त प्रतियोगिताके समूह ‘ए’ मे बङ्गलादेश, नामिबिया, आयरल्यान्ड, अमेरिका तथा पपुवा न्यूगिनी अइछ । प्रतियोगिताके खेल मूलपानी क्रिकेट मैदान आ त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे हएत से क्यान जनौने अइछ ।
नेपाल अपन पहिल खेल अइगला जनवरी १८ तारिखमे थाइल्यान्ड सङे खेलैत प्रतियोतिगाके उद्घाटन करत । उक्त खेल मुलपानी क्रिकेट मैदानमे हएत । प्रतियोगितामे सहभागी दूनु समूहसँ शीर्ष तीन टोली सुपर सिक्समे छनौट हएत । सुपर सिक्ससँ शीर्ष चाइर स्थान हासिल करैबला टोली सन् २०२६ मे होएबला महिला टी–२० विश्वकपमे छनौट हएत । (रासस)





