भारतमे रहल अपन निकायके सुरक्षापर बङ्गलादेश चिन्तित


ढाका ८ पुस (रासस/एएनआई) :

बङ्गलादेश भारतमे अपन कूटनीतिक निकायसभपर भेल आक्रमण प्रति गम्भीर चिन्ता व्यक्त करैत नयाँ दिल्ली आ सिलिगुडीमे भेल घटनासभके विरोध करए लेल भारतीय उच्चायुक्तकेँ बजाबैत बङ्गलादेश क विदेश मन्त्रालय मङ्गलदिन विज्ञप्ति जारी कएने छै ।

कूटनीतिक प्रतिष्ठानसभके विरुद्ध पूर्वनियोजित हिंसा आ धम्कीपूर्ण काजसभके निन्दा करैत अइसँ कूटनीतिक कर्मचारीसभके सुरक्षाकेँ खतरामे मात्रे नै आपसी सम्मानके सिद्धान्त आ शान्ति तथा सहिष्णुताकेँ सेहो कमजोर बनाएत विज्ञप्तिमे उल्लेख कएल गेल अइछ ।

बङ्गलादेशक विदेश मन्त्रालय कूटनीतिक कर्मचारी आ प्रतिष्ठानसभकेँ खतरा रहल कहैत भारतकेँ सुरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल आग्रह कएने अइछ ।

विज्ञप्तिमे “बङ्गलादेश सरकार भारत सरकारकेँ घटनासभक अनुसन्धान क पुनरावृत्ति रोकब आ भारतमे बङ्गलादेश क कूटनीतिक निकाय क सुरक्षा सुनिश्चित करए लेल आवश्यक उपायसभ अपनेबाक लेल आह्वान कएने अइछ ।”

सुरक्षा चिन्ताकेँ उल्लेख करैत बङ्गलादेश दिल्ली आ सिलिगुडीमे भिसा सञ्चालन स्थगित कएने विदेश मन्त्रालयक एक अधिकारीकेँ उद्धृत करैत एएनआई जनौने अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय