काठमाण्डू, १० पुसः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क अध्यक्ष केपी शर्मा ओली निर्वाचनक वातावरण बनेबाक लेल जोड़ देलैन अइछ ।
पार्टीके किछ समय पहिने सम्पन्न ११म राष्ट्रिय महाधिवेशनमे परिचालन भेल स्वयंसेवकसभकेँ आइ प्रमाणपत्र प्रदान करैत ओ निर्वाचनक लेल शांतिपूर्ण वातारण बनलाक बाद अपन दल सहभागी होबाक बतौलैन ।
त्रास आ असुरक्षाके बीच निर्वाचनक वातावरण नै बनत से अध्यक्ष ओलीके कहब छलैन । जेनजी आन्दोलनक क्रममे सुरक्षाकर्मीसँ लुटल गेल हतियार आ जेलसँ फरार भेल व्यक्तिसभसँ सुरक्षा चुनौती बढ़लासँ शांतिपूर्ण निर्वाचनक वातावारण बनेबाक दायित्व सरकारके भेल अध्यक्ष ओलीके कहब छलैन ।
राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलद्वारा आह्वान कएल गेल बैसारमे हम सहभागी भेल आ ओइ बैसारमे सेहो चुनावक विरुद्धमे हमसभ नै भेल तथा प्रतिगमन विरोधी काेनाे बात मान्य नै होबाक स्पष्ट कएने ओ बतौलैन । प्रतिनिधि सभाके पुनःस्थापना होबाक चाही आ फागुन २१ मे चुनाव करबाक अइछ, तँ ओइके वातावरण बनेबापर हम जोड़ देने ओ बतौलैन ।
भादब २३ गते परिचालन भेल सुरक्षाकर्मी परिस्थितिकेँ विचार क सरकारी सम्पतिके सुरक्षा आ आत्मरक्षाके लेल निर्णय कएने कारण तत्कालीन प्रधानमन्त्री आ गृहमन्त्रीकेँ बयानक लेल बजाएब उचित नै भेल से हुनक कहब छलैन । (रासस)
–––





