शीतलहरके कारण महोत्तरीके विद्यालय बन्द


जलेश्वर (महोत्तरी), १३ पुसः अत्यधिक जाड़ भेलाक बाद महोत्तरीके स्थानीय तह विद्यालय बन्दक घोषणा केलक अइछ । निरन्तरके ठन्डा हावा, शीतलहर, कुहेस आ धुइनक कारण जनजीवन प्रभावित भेलाक बाद महोत्तरीके १५ स्थानीय तह विद्यालयमे बिदा देबाक निर्णय केलक अइछ ।

स्थानीय तह बर्खे बिदासँ कटौती होएजँका अखन दूसँ तीन दिनक लेल बिदाके घोषणा कएने अइछ । स्थानीय तह विज्ञप्ति जारी क विद्यालयमे अध्ययनरत बालबालिका अत्यधिक जाड़क कारण प्रभावित भेल कहैत नगर भीतरके विद्यालयमे पठनपाठन बन्द कएल गेल जनौने अइछ ।

तराई–मधेशमे बितल किछ समयसँ शीतलहर आ ठन्डा हावाके कारण जाड़ बेसी बढ़लासँ बालबालिका आ वृद्धवृद्धा प्रभावित भेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय