राजनीतिमे नयाँ मोड: जसपा नेपाल आ लोसपा एकीकरण


काठमाण्डू । जनता समाजवादी पार्टी, नेपाल (जसपा) आ लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी नेपाल (लोसपा) एकीकरण भेल अइछ।

दुनू पार्टीक अध्यक्षद्वय उपेन्द्र यादव आ महन्थ ठाकुर सहित पदाधिकारीसभक संयुक्त बैठक रैबक राइत पार्टी एकीकरण करबाक निर्णय कएल गेल अइछ। काठमाण्डूमे भेल संयुक्त बैठक देशक वर्तमान राजनीतिक परिस्थितिक गम्भीर मूल्याङ्कन आ विश्लेषण कए संघीय लोकतान्त्रिक गणतान्त्रिक प्रणालीके आओर मजबूत आ संस्थागत करबाक निष्कर्ष निकालने अइछ।

बैठकमे संघीयता, पहिचान, समानुपातिक समावेशिता आ सामाजिक न्याय जेकाँ अग्रगामी परिवर्तनक मुद्दासभके आओर सशक्त बनैत न्यायपूर्ण समाज निर्माण लेल पार्टी एकीकरण आवश्यक रहल ठहर कएल गेल अइछ। बैठक पश्चात जारी प्रेस–विज्ञप्तिमे दुनू पार्टी समान विचार, उद्देश्य आ राजनीतिक एजेन्डाक आधार पर एकजुट भ’ आगू बढ़बाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने अइछ।

एकीकरण प्रक्रियासँ सम्बन्धित आगामी कार्ययोजना आ संगठनात्मक संरचनाक तैयारी शीघ्र सार्वजनिक कएल जेबाक जनाओल गेल अइछ। दुनू अध्यक्ष मधेश आ उत्पीड़ित समुदायसभक अधिकार, समावेशी लोकतन्त्र आ सामाजिक न्यायक मुद्दाबभके सशक्त रूपेँ आगू बढ़ाबैत पार्टी एकीकरणके महत्वपूर्ण कदम बतौने छइथ।

मधेशक दू प्रमुख पार्टीसभक बीच भेल एकताकेँ बौद्धिक वर्ग सकारात्मक रूपेँ ल रहल अइछ। विगत जेकाँ जुइटकए फेर टूटबाक स्थिति नइँ दोहराए, एहि लेल नेतृत्व वर्ग सजग रहबाक चाही—एहन प्रतिक्रिया सामाजिक सञ्जाल पर देखाए लागल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय