अस्पताल सुधार हेतु इन्टेलेक्चुअल फाउण्डेशन करौलक ध्यानाकर्षण


राजविराज । इन्टेलेक्चुअल फाउण्डेशन नेपाल गजेन्द्रनारायण सिंह अस्पताल राजविराजक सेवा, व्यवस्थापन आ पूर्वाधारक स्थिति गम्भीर रूपे खराब होइत जा रहलप्रति चिन्ता व्यक्त करैत सोमदिन मेडिकल सुपरिटेन्डेन्टकेँ ध्यानाकर्षण करौलक अइछ ।

फाउण्डेशनद्वारा चलाओल जा रहल “शिक्षित राजविराज, विकसित राजविराज” अभियान अन्तर्गत अस्पतालक अवस्थाक स्थलगत अध्ययन कएला बाद मेसु डा. अवधेश कुमार मिश्रके लिखित ध्यानाकर्षण पत्र बुझाओल गेल अइछ । पत्रमे कहल गेल अइछ जे करोड़ौँ रुपैयाक उपकरण खरिद भ चुकल अइछ, मुदा तीन वर्ष सँ ओ सभ गोदामेमे थन्कल पड़ल अइछ । पहिने चालू रहल डायलासिस सेवा बहुत दिन सँ बन्द अइछ आ आईसीयूमे बेर–बेर आइग लागैक घटना होइत रहल अइछ, जाहि सँ अस्पतालक सेवा प्रभावित भेल अइछ।

तहिना, इमर्जेन्सी आ ओपीडी सेवामे चिकित्सकसभक नियमित उपस्थिति नइँ देखारहल अइछ । किछ चिकित्सक कार्यसमयेमे निजी क्लिनिकमे देखल गेल छइथ । अस्पताल दवाइ खरिद कए रहल अइछ, तैयो विमा आ इमर्जेन्सी सेवाक लेल तोकल गेल दवाइ बिमारीसबकेँ नइँ भेटरहल अइछ ।
ध्यानाकर्षण पत्रमे ईहो उल्लेख अइछ जे ल्याबक कर्मचारीसब बाहर निजी ल्याब चला रहल छइथ आ परीक्षण अस्पतालकै ल्याब सँ करबैत छइथ । अस्पतालक सरसफाइ स्थिति बहुत नाजुक अइछ । इमर्जेन्सी वार्ड आ चिकित्सकक ड्रेसिङ रुम बैसए योग्य नइँ अइछ । मरीज आवत–जावत करबाक बाट सहज नइँ अइछ ।

इन्टेलेक्चुअल फाउण्डेशन नेपाल ई सभ कमजोरीक कारण सप्तरी जिलावासीक आस्थाक केन्द्र मानल जाए रहल एकमात्र संघीय अस्पताल दिनानुदिन रेफर सेन्टर बनैत जाए रहल अइछ, अइपर गम्भीर चिन्ता व्यक्त कएने अइछ । फाउण्डेशनक अध्यक्ष डा. सूर्यप्रसाद यादव कहलैन अइछ जे मेडिकल सुपरिटेन्डेन्ट स्वयं सप्तरीवासी छइथ, तैं जनता के पीड़ा बुझैत ई समस्या सभक समाधान लेल शीघ्र आ कड़ा कदम उठेबाक आग्रह कएल गेल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय