निर्वाचन आबैमे ६५ दिन बाँकीः आयोगद्वारा निर्वाचनक खर्च निर्धारण


काठमाण्डू, १५ पुसः अइगला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे उम्मेदवारद्वारा कएल जाएबला खर्चके सीमा निर्धारण कएल गेल अइछ । निर्वाचन आयोग सुविधासम्पन्न मानल गेल जिलाके हकमे आ विकट मानल गेल जिलाके हकमे अलग-अलग खर्च सीमा निर्धारण केलक अइछ ।

आयोगक अनुसार काठमाण्डूके पाँचटा निर्वाचन क्षेत्रके उम्मेदवारसभ बेसीमे २५ लाख टका खर्च क सकत । जइमे काठमाण्डू क्षेत्र नं. १, ३, ६, ७ आ ८ अइछ । तहिना, १७ टा निर्वाचन क्षेत्रके उम्मेदवार बेसीमे २७ लाख टका खर्च क सकबाक सीमा निर्धारण कएल गेल अइछ ।

तहिना, ६५ टा निर्वाचन क्षेत्रक उम्मेदवार बेसीमे २९ लाख टका खर्च क सकत । आयोगक अनुसार ५२ टा निर्वाचन क्षेत्रके उम्मेदवार बेसीमे ३१ लाख टका, २६ टा निर्वाचन क्षेत्रक उम्मेदवार बेसीमे ३३ लाख टका खर्च क सकबाक सीमा निर्धारण कएल गेल आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार उम्मेदवारके खर्च करैत समय बैंक या वित्तीय संस्थामे अलग खाता संचालन क ओएह खातासँ खर्च करए पड़त । खर्च करैत समय निजके दिससँ खर्च करैबला जिमेवार अधिकारी निर्धारण क ओकर नामसहितक विवरण निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयमे पेस करए पड़त ।

उम्मेदवारसभकेँ निर्धारण कएल गेल खर्चके सीमा भीतर रहि निर्वाचन खर्च करए आ प्रतिनिधि सभा सदस्य ऐनबमोजिम निर्वाचन खर्चके विवरण निर्वाचन परिणाम घोषणा भेल मितिसँ ३५ दिन भीतर निर्वाचन कार्यालयमे पेस करए पड़त । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय