वीरगञ्ज (पर्सा), १६ पुसः वीरगञ्ज महानगर शीतलहरके कारण आओर तीन दिन विद्यालय बन्द करबाक निर्णय केलक अइछ ।
बितल दू हप्तासँ महानगर क्षेत्र आ लगपासमे निरन्तर जाड़ बढ़लाक कारण महानगर आइसँ लागू होएजँका इएह पुस १८ गतेधैर तीन दिन विद्यालयमे बिदा देबाक निर्णय केलक अइछ । अइसँ पहिने महानगर जाड़ बढ़ल कहैत दू बेर पाँच दिनक बिदा देने छल ।
वीरगञ्ज महानगर शैक्षिक प्रशासन महाशाखा प्रमुख आनन्द लामिछानेके कहब अनुसार बितल किछ दिनसँ जाड़ बढ़लाक कारण बालबालिकाके स्वास्थ्यमे होबाक प्रतिकूल असरकेँ ध्यान दैत बर्खे बिदासँ कट्टा होएजँका सामुदायिक आ संस्थागत विद्यालयमे बिदा देल गेल अइछ । अगिला पुस २० गतेसँ विद्यालय फेरसँ संचालन होबाक जनाएल गेल अइछ ।
रासस





