सन् २०२५ मे १ सओ २८ पत्रकारके हत्या


रासस/एएफपी
ब्रसेल्स, १७ पुसः सन् २०२५ मे विश्वभैर जमा १ सओ २८ गोटे पत्रकारके हत्या भेल अन्तर्राष्ट्रिय पत्रकार महासङ्घ (आइएफजे) जनौलक अइछ । ओइमध्ये आधासँ बेसी पत्रकारके हत्या मध्यपूर्वमे भेल वृहस्पैतदिन सार्वजिनक कएल गेल रिपाेर्टमे उल्लेख अइछ ।

आइएफजेके महासचिव एन्थोनी बेलाङ्गर कहलैन, “सन् २०२४ सँ ई संख्या बढ़ल अइछ । ई केवल तथ्याङ्क नै छै, ई हमरासभक सहकर्मीसभक लेल विश्वव्यापी रेड अलर्ट छै ।” प्रेस समूह विशेष चिन्ता व्यक्त करैत प्यालेस्टिनी क्षेत्र गाजामे हमास आ इजरायल बीचक द्वन्द्वके क्रममे ५६ गोटे मिडियाकर्मी मारल गेल तथ्य सेहो सार्वजनिक भेल अइछ ।

बेलाङ्गर कहलैन, “हमसभ एहन कहियो नै देखने छलौँ । अतेक कम समयमे अतेक छोट क्षेत्रमे अतेक बेसी मृत्यु ।” यमन, युक्रेन, सुडान, पेरु, भारत आ अन्य स्थानमे सेहो पत्रकारसभक हत्या कएल गेल अइछ । आक्रमणमे संलग्न भेल व्यक्तिसभकेँ ‘दण्डहीनता’ के चेतावनी दैत ओ निन्दा केलैन ।

विश्वभैर अखन ५ सओ ३३ पत्रकार जेलमे भेल आइएफजे जनौलक अइछ । ई विगत आधा दशकमे दोब्बरसँ बेसी भेल तथ्याङ्कमे उल्लेख अइछ । हङकङमे १ सओ ४३ गोटे पत्रकारकेँ जेलम राखल गेल अइछ । पश्चिमी राष्ट्रसभ एकर आलोचना करैत हङकङकेँ सबसँ खराब जेलरके सूचीमे शीर्ष स्थानमे राखने अइछ ।

आइएफजेके तथ्याङ्क रिपोर्टर्स विदाउट बोर्डर्सके तुलनामे बेसी अइछ । अइ साल आइएफजे ९ टा दुर्घटनामे मृत्यु भेल पत्रकारसभकेँ सेहो समावेश कएल गेल जनाैलक अइछ । रिपोर्टर्स विदाउट बोर्डर्स ६७ गोटे पत्रकारक हत्या रिपोर्ट कएने अइछ, तँ युनेस्को ९३ गोटेक हत्या भेल रिपाेर्ट कएने अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय