कांग्रेस नेता डा कोइरालाद्वारा पार्टीके पछिला अवस्था बारेमे बातचित


काठमाण्डू, १९ पुसः नेपाली कांग्रेसक नेता डा शेखर कोइराला पार्टीभित्रके पछिला अवस्था बारेमे काठमाण्डूमे उपलब्ध पदाधिकारी, केन्द्रीय सदस्य, जिला सभापतिसहितसँ अन्तरक्रिया क राय लेल गेल अइछ ।

विशालनगरस्थित अपन सम्पर्क कार्यलयमे आइ भेल अइ बातचितमे अखनके विषम परिस्थिति, समुचित निकास, राष्ट्रमे देखल गेल सङ्कटके समाधान आ पार्टीभित्रके द्वन्द्व अवतरण कोना भ सकैत छै से विषयमे छफफल भेल हुनक सचिवालय जनौलक अइछ ।

उक्त अवसरमे शुक्रदिन कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसम्पादन समितिके बैसारमे कएल निर्णय आ महामन्त्रीसभद्वारा कहल गेल विशेष महाधिवेशनके सम्बन्धमे कोना समन्वय कएल जा सकै छै ताहिपर बातचित भेल छल ।

सङे अगिला आमनिर्वाचनमे एकताबद्ध रूपमे कोना आगू बढब ? हाल पार्टीके अनुशासन समिति कएने कारबाहीके फुकुवासहित विषयमे बातचित भेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय