काठमाण्डू, २४ पुसः नेपाल प्रहरी आसन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल एक लाख ३३ हजार ९ सओ ८० गोटे निर्वाचन प्रहरी (म्यादी)के भर्ना आह्वान केलक अइछ । प्रहरी प्रधान कार्यालयद्वारा आइ जारी सूचनामे इच्छुक योग्यता भेल उम्मेदवारकेँ भर्ना प्रक्रियामे सहभागी होबाक लेल सूचित कएल गेल अइछ ।
निर्वाचन प्रहरीके लेल इएह पुस २५ गतेसँ आगामी माघ १ गतेधैर ७७ जिला प्रहरी कार्यालयमे दरखास्त देबाक समय निर्धारण कएल गेल अइछ । दरखास्त फारम दर्ता करबाक अन्तिम मितिधैर १८ वर्ष पूरा भ ५४ वर्ष पूरा नै भेल व्यक्ति आवेदन द सकत ।
निर्वाचन प्रहरीमे नेपाली नागरिक, साधारण लिख पढ़ करैबला, नैतिक पतनबला कोनो फौजदारी अभियोगमे अदालतसँ सजाय नै भेल, भर्ना होबाक समयमे कोनो राजनीतिक दलके सदस्य नै भेल, शारीरिक तथा मानसिक रूपमे स्वस्थ्य भेल, आतङ्ककारी तथा विध्वंसात्मक सङ्गठनक सदस्य नै भेल व्यक्ति फारम भैर सकबाक केन्द्रीय प्रहरी प्रवक्ता एवं प्रहरी नायब महानिरीक्षक अबि नारायण काफ्ले जानकारी देलैन ।
नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल नेपालसँ सेवा निवृत्त पूर्वसुरक्षाकर्मी या पूर्व वन रक्षक तथा सुरक्षा सङ्गठनमे बितल माघसँ इएह पुस महिनाधैर विभिन्न पदमे भर्नाके लेल आवेदन द शारीरिक तन्दुरुस्ती आ स्वास्थ्य परीक्षण उत्तीर्ण भेल व्यक्तिकेँ निर्वाचन प्रहरीके रूपमे छनौट कएल जेबाक प्रहरी प्रधान कार्यालय जनौलक अइछ ।
तहिना, अइसँ पहिने सम्पन्न प्रतिनिधि सभा, प्रदेश सभा आ स्थानीय तहके निर्वाचनमे म्यादी प्रहरीके रूपमे भर्ना भ सन्तोषजनक काज कएने व्यक्ति तथा विदेशी मित्रराष्ट्रके सुरक्षा निकायमे काज क सेवा निवृत्त भेल नेपाली नागरिककेँ निर्वाचन प्रहरीमे छनौट कएल जेबाक प्रहरी नायब महानिरीक्षक काफ्ले बतौलैन ।
हुनक कहब अनुसार अगिला माघ ५ गतेसँ ९ गतेधैर आवेदकमध्येसँ प्रारम्भिक छनौट कएल जाएत, तँ अन्तिम नतिजा माघ १२ गते प्रकाशित करबाक कार्यतालिका अइछ । माघ १५ गतेसँ २४ गतेधैर निर्वाचन प्रहरीकेँ तालिम तथा प्रशिक्षण देल जाएत ।
निर्वाचन प्रहरीके कार्यअवधि नियुक्ति लेने मितिसँ ४० दिन या नेपाल सरकारद्वारा निर्धारण कएल गेल बमोजिम हएत । निर्वाचनक अवधिके आधारमे निर्वाचन प्रहरीके कार्यअवधि फेर बदल भेलापर ओएहअनुसार होबाक सूचनामे उल्लेख अइछ । निर्वाचन प्रहरी छनौटक लेल सरकार निर्वाचन प्रहरी भर्ना छनौट, नियुक्ति तथा परिचालनसम्बन्धी एकीकृत (नेपाल प्रहरी तथा सशस्त्र प्रहरी बल, नेपाल) कार्यविधि, २०८२ स्वीकृत क चुकल अइछ ।
निर्वाचन प्रहरीकेँ की केहन सुविधा देल जाएत ?
निर्वाचन प्रहरी, नेपाल प्रहरी जवानके सुरु तलब स्केलसरह प्रतिदिन आठ सओ ६९ टका ४० पैसाके हिसाबसँ ४० दिनधैरके लेल ३४ हजार ७ सओ ७६ टका प्राप्त करत । निर्वाचन प्रहरीकेँ सम्बन्धित जिलाके नेपाल प्रहरी प्राप्त कएने सरहके दररेटअनुसार प्रतिनिर्वाचन प्रहरी ४० दिनक लेल खाद्यान्न बापतके रकम निजके व्यक्तिगत बैंक खातामे उपलब्ध कराएल जाएत से प्रहरी नायब महानिरीक्षक काफ्ले जानकारी देलैन ।
हुनक कहब अनुसार निर्वाचनक क्रममे खटैबला निर्वाचन प्रहरीकेँ खटल स्थानमे आबए आ जेबाक तैयारीस्वरुप प्रतिनिर्वाचन प्रहरीकेँ एक बेरके लेल एकमुष्ट आठ सओ छयालीस टकाके हिसाबसँ तैयारी खर्च उपलब्ध कराएल जाएत ।
प्रतिदिन प्रतिनिर्वाचन प्रहरीकेँ तीन सओ टकाके हिसाबसँ चाइर दिनक लेल एकमुष्ट एक हजार २ सओ टका नास्ता खर्च उपलब्ध कराएल जाएत । नेपाल प्रहरीके प्रधान कार्यालयसँ निर्धारण भेलबमोजिमके दररेटक आधारमे पोसाकबापतके रकम सेहो निर्वाचन प्रहरीकेँ देल जाएत ।
कर्तव्य पालनके सिलसिलामे निर्वाचन प्रहरी घायल भेलापर निज स्वयं आ मृत्यु भेल खण्डमे निजक लगके हकदार नेपाल सरकारसँ निर्धारण भेलबमोजिमके क्षतिपूर्ति प्राप्त करत । (रासस)





