काठमाण्डू, २५ पुसः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल तीन गोटे मन्त्रीके कार्यभार बढ़ौलैन अइछ । ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालय, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्राललय आ सहरी विकास मन्त्रालयके जिमेवारी सम्हारने मन्त्री कुलमान घिसिङ बुधदिन पदसँ राजीनामा देलाक बाद ओ मन्त्रालयके जिमेवारी अन्य मन्त्रीकेँ देल गेल अइछ ।
प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीके सिफारिसमे राष्ट्रपति पौडेल उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति आ कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिला एवं संस्कृति पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री अनील कुमार सिन्हाकेँ ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयके जिमेवारी देलैन ।
तहिना, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयके कार्यभार वन तथा वातावरणमन्त्री माधव प्रसाद चौलागाईंकेँ आ सहरी विकास मन्त्रालयके कार्यभार भूमि व्यवस्था, सहकारी तथा गरिबी निवारणमन्त्री कुमार इङ्नामके देल गेल राष्ट्रपति कार्यालयके प्रवक्ता रितेश कुमार शाक्यद्वारा जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ । (रासस)





