जलेश्वर (महोत्तरी), २५ पुसः महोत्तरीके १ सओ ६३टा मतदानस्थलकेँ अतिसंवेदनशील क्षेत्रमे राखल गेल अइछ । अगिला फागुन २१ गते होबए लागल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल जिलामे २ सओ ५८टा मतदानस्थल कायम कएल गेल अइछ । जइमे १ सओ ६३टा मतदानस्थलकेँ अतिसंवेदनशील वर्गमे राखल गेल अइछ ।
तहिना, ८९टा मतदानस्थल संवेदनशील वर्गमे आ छटा मतदानस्थल सामान्य वर्गमे रहल जिलास्थित सुरक्षा संयन्त्र जनौलक अइछ ।
महोत्तरीके पूर्व–दक्षिण, दक्षिण आ पश्चिम–दक्षिणमे करिब १४ किलोमिटर भू–भाग भारतीय सीमावर्ती क्षेत्रसँ जुड़ल आ विभिन्न सातटा पालिकासँ भारतक खुला सीमाना भेलाक कारण अइ ठामक निर्वाचनस्थलमध्ये १ सओ ६३टा अतिसंवेदनशील वर्गमे आ ८९टा संवेदनशील वर्गमे राखल गेल अइछ, तँ छटा निर्वाचनस्थल मात्रे सामान्य वर्गमे अइछ ।
तहिना, जिलामे आगामी निर्वाचनक लेल ५ सओ ३६टा मतदान केन्द्र कायम कएल गेल निर्वाचन अधिकारी रञ्जिता झा बतौलैन ।
चाइरटा निर्वाचन क्षेत्र रहल महोत्तरीके निर्वाचन क्षेत्र नं. १ मे जमा ५९टा मतदानस्थल आ १ सओ ३०टा मतदान केन्द्र कायम कएल गेल अइछ । तहिना, निर्वाचन क्षेत्र नं. २ मे ६२टा मतदानस्थल आ १ सो ३३टा मतदान केन्द्र कायम कएल गेल अइछ ।
तहिना, निर्वाचन क्षेत्र नं. ३ मे ७७टा मतदानस्थल आ १ सओ ४२टा मतदान केन्द्र कायम कएल गेल अइछ, तँ निर्वाचन क्षेत्र नं. ४ मे ६०टा मतदानस्थल आ १ सओ ३१टा मतदान केन्द्र कायम कएल गेल निर्वाचन अधिकारी झा बतौलैन ।
जिला निर्वाचन अधिकारी झाके कहब अनुसार आगामी निर्वाचनमे महोत्तरीसँ जमा चाइर लाख ३१ हजार २ सओ ८२ गोटे मतदाता निर्वाचनमे सहभागिता जनाओत । (रासस)





