वनमन्त्री चौलागाईंद्वारा भौतिक मन्त्रालयके पदभार ग्रहण


काठमाण्डू, २५ पुसः वन तथा वातावरणमन्त्री माधव प्रसाद चौलागाईं भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रीके पदभार ग्रहण केलैन अइछ ।

पदभार ग्रहणक अवसरमे ओ कर्णाली राजमार्गकेँ सड़क सुरक्षा आ स्तरोन्नतिके लेल आगामी पाइपलाइन परियोजनामे समावेश करबाक विषयमे एसियाली विकास बैंककेँ अनुरोध करबाक निर्णयमे हस्ताक्षर केलैन अइछ ।

तहिना, ओ जुम्ला आ कालीकोटके सीमाना नाग्मस्थित हिमा नदीमे पक्की पुल बइन चुकल अवस्थामे उक्त स्थानमे भेल बेलिब्रिजकेँ जुम्ला जिलाके तातोपानी गाउँपालिका–५ स्थित तिला नदीमे तातोपानी गाउँपालिका–४ हाँकु जोड़बाक लेल स्थानान्तरण करबाक निर्णय सेहो केलैन अइछ ।

निर्माण व्यवसायी नियमावली, २०५६ के अनुसूची १३ मे भेल ‘घ’ वर्गके निर्माण व्यवसायीके योग्यतासम्बन्धी मापदण्ड परिमार्जन करबाक लेल आवश्यक सुझावक लेल मन्त्रालयके सहसचिव सुशील बाबु ढकालक संयोजकत्वमे पाँच सदस्यीय समिति गठन करबाक निर्णयमे सेहो मन्त्री चौलागाईं हस्ताक्षर केलैन अइछ । तत्कालीन भौतिकमन्त्री कुलमान घिसिङ बुधदिन पदसँ राजीनामा देलाक बाद प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की ओइ मन्त्रालयके जिमेवारी वनमन्त्री चौलागाईंकेँ देने छैथ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय