देशक अर्थतन्त्र सुधार नै भेलाधैर विदेश भ्रमणमे नै जाएब:शिक्षामन्त्री


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, २५ पुसः शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री महावीर पुन मात्रे विदेश भ्रमण कएलासँ देशक अर्थतन्त्रमे सुधार नै आएत कहैत मन्त्रीके हैसियतमे हम विदेश भ्रमणमे इच्छुक नै रहल घोषणा केलैन अइछ ।

मन्त्री पुन अइसँ पहिने हमरा तीनटा वैदेशिक भ्रमण आ कार्यक्रमक निमन्त्रण आएल छल, मुदा नै गेल कहैत अखनाे दूटा निमन्त्रण आएल मुदा नै जेबाक जानकारी सामाजिक संजालमार्फत स्पष्ट केलैन अइछ ।

“देशक अर्थतन्त्र सुधार नै भेलाधैर प्रधानमन्त्री आ अर्थमन्त्री भेलाक बादो किछ प्रगति नै हएत । किए तँ किछ करबाक लेल बजेटक आवश्यकता होइत छै । विदेश घुइम क अर्थतन्त्र बनत ?” मन्त्री पुनके प्रश्न छैन । इजरायलके जेरुसेलममे आगामी फरवरी ४ सँ ६ तारिखधैर होएबला मन्त्रिस्तरीय बैसार आ साउदी अरेबियामे आगामी मे ३ सँ ४ तारिखधैर होएबला ‘ह्युम्यान क्यापासिटी इनिसियटिभ’ कार्यक्रममे सहभागिताके लेल आएल निमन्त्रण पत्रकेँ सेहो ओ सार्वजनिक कएने छैथ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय