राससद्वारा निर्वाचन लक्षित आचारसंहिता जारी


काठमाण्डू, २५ पुस: राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) प्रतिनिधि सभाके आसन्न निर्वाचनकेँ दृष्टिगत करैत अपन पत्रकार, कर्मचारी एवं अइ ठामसँ उत्पादन होएबला सामग्रीके स्वनियमन करबाक उद्देश्यसँ निर्वाचन आचारसंहिता (परिमार्जन, २०८२) केलक अइछ ।

समितिके बुधदिन भेल संचालक समितिके बैसारसँ अगिला माघ १ गतेसँ लागू होएजँका उक्त आचारसंहिताके कार्यावंयनमे आनबाक निर्णय कएल गेल अइछ । रासस तैयार कएने २३ बिन्दु आचारसंहितामे ऐन, नियम, विनियमके कार्यावंयन, सामाजिक सद्भावके अभिवृद्धि, सब राजनीतिक दलप्रति समान व्यवहार एवं महत्त्व जेहन विषय समावेश अइछ ।

तहिना, बितल समय सूचना प्रविधिके दुरुपयोगकेँ निरुत्साहित करबाक उद्देश्यसँ एआई, इलस्ट्रेसन तथा प्रतीक चिह्नके प्रयोगमे सावधानी अपनेबाक विषय सेहो संहितामे समेटल गेल अइछ । प्रतिनिधि सभाके निर्वाचन अगिला फागुन २१ गते हएत ।

रासस निर्वाचन केन्द्रित क अपन संचारगृहमे आचारसंहिता कार्यावंयन करबाक आ ओइसँ आगामी निर्वाचनकेँ स्वच्छ, सन्तुलित एवं निष्पक्ष संचार सामग्री उत्पादनमे सहयोग होबाक कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झाके विश्वास छैन । सफलतापूर्वक निर्वाचन सम्पन्न करबाक राज्यके महत्त्वपूर्ण जिमेवारी भेलासँ सब निकाय स्वनियमनमे रहि काजमे सहयोग करबाक चाही तइपर ओ जोड़ देलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय