काठमाण्डू २६ पुसः निर्वाचन आयोग प्रतिनिधिसभा सदस्यक निर्वाचनकेँ स्वच्छ मर्यादित बनेबाक उदेश्यसँ आचारसंहिता लागू करबाक लेल अन्तिम तैयारी कएने अइछ । आयोग अगिला माघ ३ गतेसँ आचारसंहिता लागू करबाक तैयारी कएल गेल जनौने अइछ ।
आयोग अगिला फागुन २१ गतेक लेल तय भेल निर्वाचनक हालधैर भेल प्रगतिक बारेमे प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीकेँ जानकारी कराएल गेल अइछ । निर्वाचनकेँ स्वच्छ बनेबाक लेल सरकारी तथा गैरसरकारी निकाय केहन गतिविधि करए पाएत, राजनीतिक दल तथा सरोकारवालासभक भूमिका केहन रहत से आचारसंहितामे प्रष्ट व्यवस्था कएल गेल अइछ ।
आयोगक प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराईक अनुसार आयोगक दिससँ कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी निर्वाचनक सन्दर्भमे हालधैर भेल तैयारी, निर्वाचन सामग्रीक छपाई, जनशक्ति व्यवस्थापन सम्बन्धि प्रधानमन्त्रीकेँ शुकरदिन जानकारी कराएल गेल छल ।
आचारसंहिताकेँ कड़ाइसँ पालन करेबाक लेल सरकार, सरोकारवाला निकायकेँ प्रमुख भूमिका रहबाक से आयोगक कहब अइछ । (रासस)





