राजविराज । राष्ट्रिय मुक्ति पार्टीक केन्द्रीय सदस्य एवं पूर्वमन्त्री चन्द्रकान्त चौधरीको शइन दिन निधन भेल अइछ ।
डाक्नेश्वरी नगरपालिका वडा नम्बर–५, पातो निवासी चौधरीकेँ अपने निवासमे ८५ वर्षक उमेरमे निधन भेल अइछ । राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा)सँ ओ २०७४ सालक निर्वाचनमे प्रतिनिधिसभा सप्तरी निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ सँ प्रतिनिधि सभा सदस्यमे निर्वाचित भेल छल ।
नेपालक राजनीतिमे सक्रिय रहैतआएल ओ जलस्रोत, ऊर्जा तथा सिँचाइ राज्यमन्त्री सेहो भेल छल । नेपाली कांग्रेससँ राजनीतिमे सक्रिय रहल ओ पइछला समय मधेश केन्द्रित दलमे सक्रिय छल । पातो बजार तथा डाक्नेश्वरी नगरपालिकाक विकासमे हुनक पैघ योगदान रहल अइछ । समाजसेवाक क्षेत्रमे हुनका दानवीरक रुपमे चिन्हल जाइत अइछ ।
अपने जन्मस्थानमे अन्तिम संस्कार करबाक कार्यक्रम रहल पारिवारिक श्रोतद्वारा जानकारी देल गेल अइछ ।





