महेन्द्रनगर (धनुषा), २७ पुसः धनुषामे ऐलानी जमीनके विषयमे भेल झड़पमे १२ गोटे घायल भेल अइछ । जिलाक मिथिला नगरपालिका–२ नक्टाझिज सुखजोरमे रहल सतलोक आश्रमद्वारा ऐलानी जमीन कब्जा कएल गेल कहैत जमीन खाली करेबाक लेल आएल स्थानीय आ आश्रमक प्रतिनिधि बीच झड़प भेलासँ १२ गोटे घायल भेल अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी प्रमुख रुगम बहादुर कुँवरके कहब अनुसार झड़पमे घायल भेल व्यक्तिसभकेँ प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधाममे इलाज भ रहल अइछ । स्थानीय सुनिल परियार, विक्रम परियारसहित अधिकांशके माथामे चोट लागल ओ बतौलैन ।
स्थानीय प्रदर्शनकारी आश्रमसँ निकलल एम्बुलेन्सपर तोड़फोड़ कएलाक बाद सम्भावित दुर्घटना नै होबए देबाक लेल आ अवस्था नियन्त्रणमे लेबाक लेल प्रहरी छ सेल अश्रुग्यास सेहो प्रहार कएल गेल प्रहरी प्रमुख कुँवर बतौलैन । तहिना, दू पक्षबीच भेल झड़पके कारण अवरुद्ध भेल ढल्केवर–जनकपुर सड़कखण्डकेँ प्रहरीके सक्रियतामे संचालनमे आनल गेल ओ जानकारी देलैन ।
जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी नायब उपरीक्षक गणेश बहादुर बमके नेतृत्वमे खटल टोली जमीन तथा आश्रमके वास्तविकताके बारेमे अध्ययन क रहल अइछ । हुनक अनुसार विवाद उग्र बनलासँ दूनु पक्ष बीच तनावक स्थिति उत्पन्न भेल छल । (रासस)





