आयोगद्वारा मुख्य आ निर्वाचन अधिकृतके प्रशिक्षण


काठमाण्डू, २७ पुसः निर्वाचन आयोग आसन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनके लेल खटल मुख्य निर्वाचन अधिकृत आ निर्वाचन अधिकृतके प्रशिक्षक प्रशिक्षणक लेल इएह पुस २८ आ २९ गते विभिन्न स्थानमे अभिमुखीकरण तालिम संचालन करबाक तैयारी केलक अइछ ।

सात प्रदेशअन्तर्गतके निर्वाचन अधिकृत आ निर्वाचन अधिकृतके लेल जमा चाइर स्थान काठमाण्डू, चितवन, विराटनगर आ नेपालगञ्जमे अभिमुखीकरण तालिम देबाक तैयारी कएल गेल आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन । तालिम संचालन करबाक लेल आयोगक पदाधिकारी आ सम्बन्धित कर्मचारीकेँ कार्यविभाजन क खटाएल गेल अइछ ।

तालिमसँ मुख्य प्रशिक्षक तैयार करबाक लेल प्रशिक्षक प्रशिक्षण सम्पन्न कएल आ ओ प्रशिक्षक आओर तालिम संचालन करत से आयोगक योजना अइछ । प्रशिक्षण प्राप्त कएलाक बाद निर्वाचन अधिकृत आगामी माघ २ गतेसँ अपन–अपन निर्वाचन क्षेत्रमे कार्यालय स्थापना क काज सुरु करत ।

आयोग न्यायपरिषद्के परामर्शमे ७७ जिला न्यायाधीशकेँ मुख्य निर्वाचन अधिकृत आ ८८ न्यायसेवाके राजपत्राङ्कित द्वितीय श्रेणीके अधिकृतकेँ निर्वाचन अधिकृत पदमे नियुक्ति द चुकल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय