चितवन, २७ पुसः तनहुँके आँबुखैरहनी गाउँपालिका–५ द्वोन्द्राङ बेँसीस्थित त्रिशूली कातमे बसक अवशेष भेटल अइछ । भरतपुर महानगरपालिका–२९ स्थित सिमलतालमे पाेरका साल बेपत्ता भेल दूटा बसमध्ये एकटा होबाक आशङ्का कएल गेल अइछ । बस बेपत्ता भेल स्थानसँ २ सओ मिटर लग तनहुँदिस बसक अवशेष भेटल अइछ ।
इलाका प्रहरी कार्यालय मुग्लिनके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक प्रतीक सिंहके कहब अनुसार माछ माड़बाक क्रममे जाल फँसलाक बाद स्थानीय खोज तलास कएलाक बाद बस जेहन अवशेष भेल बारेमे प्रहरीकेँ खबर कएने छल । खबरके बाद बालुमे दबाएल अवस्थामे बस देखलाक बाद खइन क निकालबाक काज भ रहल अइछ । हुनक कहब अनुसार बस निला रङके देखल गेल आ सिमलतालमे हेराएल गणपति बसके रङसँ मिलल जुलल भेलाक कारण ओएह बस होबाक सम्भावना अइछ । यद्यपि बस निकाललाक बाद मात्रे यकीन होबाक ओ जानकारी देलैन ।
वि.सं. २०८१ अखार २८ मे नारायणगढ–मुग्लिन सड़कखण्डके सिमलतालसँ भूस्खलनसहित दूटा बस त्रिशूली नदीमे बेपत्ता भेल छल । बागमती प्रदेश–०३–००१ ख २४९५ नम्बरके गणपति आ बागमती प्रदेश–०३–००६ ख १५१६ नम्बरके एञ्जल डिलक्स त्रिशूलीमे बेपत्ता भेल छल । दूनु बसमे सवार ६५ गोटेमध्ये ११ गोटेके लहास भेटल छल, तँ तीन गोटे घायल भेल छल । घटनामे ५१ गोटे बेपत्ता भेल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी नायब उपरीक्षक रविन्द्र खनाल बतौलैन ।
–––





