स्व उमा सिंहद्वारा बारल मसाल नै मिझेबाक चाहीः प्रदेश प्रमुख कर्ण


काठमाण्डू, २७ पुसः मधेश प्रदेश प्रमुख प्रा.डा. सुरेन्द्रलाभ कर्ण मधेश प्रदेशमे निर्भिक, निड्डर आ प्रतिबद्ध पत्रकारिताके क्षेत्रमे स्वर्गीय उमा सिंहद्वारा बारल मसाल कहियो नै मिझबए देबाक बतौलैन अइछ ।

मधेशी पत्रकार समाज नेपालद्वारा आइ काठमाण्डूमे आयोजित सहिद पत्रकार सिंहके १७म् स्मृति दिवस तथा उमा सिंह पत्रकारिता सम्मान कार्यक्रम–२०८२ मे ओ स्व सिंह मधेशमे सुरू कएल सत्य, न्याय आ समानताक लेल सङ्घर्षरत पत्रकारिताके परम्परा आओर सशक्त रूपमे आगू बढ़ेबाक लेल जोड़ देलैन । प्रदेश प्रमुख कर्ण स्व सिंह मधेशके सामाजिक, राजनीतिक तथा महिला अधिकारक सवालमे निर्भिक रूपमे कलम चलेनिहाइर साहसी पत्रकार भेल स्मरण केलैन ।

“उमा सिंह केवल एक पत्रकार मात्रे नै, ओ मधेशके आवाज छलैथ । मधेशमे महिला पत्रकारिताके आधार निर्माण करए लेल सिंहके भूमिका ऐतिहासिक छै आ उक्त कदम आइयो प्रेरणाके स्रोत बनल छै”, ओ कहलैथ, “सिंहद्वारा उठाएल गेल मुद्दा आ साहस मधेशमे महिला पत्रकारसभकेँ आगू अएबाक मार्ग प्रशस्त केलक।”

कार्यक्रममे मधेशी पत्रकार समाज नेपालके पदाधिकारी, विभिन्न सञ्चारमाध्यममे आबद्ध पत्रकार, नागरिक समाजका प्रतिनिधि तथा स्व उमा सिंहके शुभेच्छुकसभके उल्लेखनीय उपस्थिति छल । स्व सिंहके अपन कर्तव्य निर्वाहके क्रममे हत्या कएल गेल छल । पत्रकार उमा सिंहक स्मृति दिवसक अवसरमे राष्ट्रीय समाचार समितिक अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा, नेपाल टेलिभिजनक स्वेता सिन्हा आ नेपालगञ्जक पत्रकार निलम शर्माकें प्रमुख अतिथि मधेश प्रदेश प्रमुख कर्णद्वारा सम्मान कएल गेल ।

ओही अवसरमे नेपाल पत्रकार महासंघक केन्द्रीय सचिव सोनी शर्मा, आमसञ्चार प्राधिकरणक संस्थापक अध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव, सम्मानित पत्रकार सिन्हा सहितके वक्तासब पत्रकार स्व. उमा सिंहक व्यक्तित्व, घटना एवम् मधेशमे मधेशी पत्रकारसबहक अवस्थाक विषयमे चर्चा कएलैन ।

मधेसी पत्रकार समाजक अध्यक्ष मोहनकुमार सिंहकेँ अध्यक्षतामे कार्यक्रम आयोजन कएल गेल । रासस

 

ताजा खबर
लोकप्रिय