त्रिशूलीमे भेटल बसके आइ सेहो उत्खनन


दमौली (तनहुँ), २८ पुसः तनहुँके आबुँखैरेनी गाउँपालिका–५, दुन्द्राङबेँसीस्थित त्रिशूली नदी कातमे भेटल बसके आइ सेहो उत्खनन कएल जाएत । नारायणगढ–मुग्लिन सड़कखण्डमे भूस्खलनके कारण त्रिशूली नदीमे खसल बसक अवशेष रैबदिन भेटलाक बाद उत्खननक काज सुरू कएल गेल छल ।

नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी रैबदिन दिनभैर बसक उत्खनन कएने छल । आइ सेहो उत्खननके काज जारी रहबाक जिला प्रहरी कार्यालय तनहुँ जनौलक अइछ । जिला प्रहरी कार्यालय तनहुँके अनुसार रैबदिन भोर १०ः४५ बजेके समयमे त्रिशूली नदी कातमे एकटा बसक आगुके किछ भाग धसल अवस्थामे भेटल छल ।

उक्त बस वि.सं. २०८१ अखार २८ गते चितवनके भरतपुर महानगरपालिका–२९ अन्तर्गत सिमलताल क्षेत्रमे काठमाण्डूसँ गौरदिस जा रहल बागमती प्रदेश ०३–००१ख२४९५ नम्बरके ‘गणपति डिलक्स’ नामक बस भ सकबाक जिला प्रहरी कार्यालय तनहुँके प्रहरी नायब उपरीक्षक श्रवण कुमार विक जानकारी देलैन ।

सूचना प्राप्त भेलाक बाद इलाका प्रहरी कार्यालय साराङघाटसँ प्रहरी नायब निरीक्षकके नेतृत्वमे दू आ इलाका प्रहरी कार्यालय आबुँखैरेनीसँ प्रहरी निरीक्षकके नेतृत्वमे १२ गोटेक टोली घटनास्थलमे खटल अइछ ।

घटनास्थलमे बस नदी कातमे माइटमे धसल अवस्थामे भेटलाक बादो पूर्ण रूपमे यकिन नै भ सकल प्रनाउ विक बतौलैन । अखन धसल बसके उत्खनन करबाक काज तथा आओर अनुसन्धान जारी रहल प्रहरी जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय