प्रदेश मन्त्रिपरिषद् बैसारः प्रवक्तामे मन्त्री राय


जनकपुरधाम, २८ पुसः मधेश प्रदेश सरकारक मन्त्रिपरिषद् बैसारसँ सरकारक प्रवक्तामे प्रदेशक स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री जङ्गीलाल रायकेँ जिमेवारी देल गेल अइछ । प्रदेश सरकारक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादवक अध्यक्षतामे आइ भेल बैसारसँ ई निर्णय कएल गेल अइछ ।

तहिना, बैसारसँ प्रदेशस्तरीय समस्या समाधानक लेल तीनटा उच्चस्तरीय समिति सेहो गठन कएल गेल मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क सचिवालय जनौलक अइछ ।

सरकार प्रदेशमे भेल राजनीतिक, प्रशासनिक, कानुनी तथा आर्थिक/सामाजिक समस्याके अध्ययन समाधानक लेल तीन/तीन सदस्यीय समिति गठन केलक अइछ । राजनीति तथा प्रशाासनिक समितिक संयोजकमे भूमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारीमन्त्री श्याम पटेल छैथ, तँ समितिक सदस्यमे खेलकुद तथा समाज कल्याणमन्त्री वसन्त कुशवाहा तथा उद्योग वाणिज्य तथा पर्यटनमन्त्री कनिश पटेल छैथ ।

कानुन, न्याय तथा मामिला समितिक संयोजकमे श्रम तथा यातायातमन्त्री मनिष सुमन छैथ, तँ समितिक सदस्यमे गृह, संचार तथा कानुनमन्त्री फकिरा महतो तथा वन तथा वातावरणमन्त्री शङ्कर प्रसाद चौधरी रहल मुखयमन्त्री यादव जानकारी देलैन ।

तहिना, आर्थिक तथा सामाजिक समितिक संयोजकमे अर्थमन्त्री महेश यादव छैथ, तँ समितिक सदस्यमे भौतिक तथा पूर्वाधारमन्त्री राज कुमार गुप्ता आ शिक्षा तथा संस्कृतिमन्त्री रानी शर्मा तिवारी छैथ । मधेश प्रदेश सरकार अइ समितिमार्फत समस्याके पहिचान तथा समाधान करबाक काज करबाक सङे पत्रकार तथा संचार क्षेत्रसँ समवंय सेहो करत ।

तहिना, मधेश प्रदेश सरकारक प्रवक्ता नियुक्त भेल मन्त्री जङ्गीलाल राय संचार क्षेत्रसँ समवंय क काज करबाक बतौलैन । प्रदेश सरकार पारदर्शी भ सबके सहयोगमे काज करत से हुनक कहब छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय