कांग्रेसक विशेष महाधिवेशन मङ्गलदिनधैर


काठमाण्डू, २८ पुसः नेपाली कांग्रेसक विशेष महाधिवेशन पक्षधरद्वारा रैबदिनसँ भृकुटीमण्डपमे जारी विशेष महाधिवेशनके बन्दसत्र मङ्गलदिनधैर होबाक बताओल गेल अइछ ।

कांग्रेसक महामन्त्रीद्वय गगन कुमार थापा आ विश्व प्रकाश शर्मा प्रस्तुत कएने प्रतिवेदनपर परामर्श भ रहलासँ बन्दसत्रमे ई जानकारी देल गेल अइछ । विशेष महाधिवेशन आयोजक समितिके अनुसार मङ्गलदिनके बन्दसत्रमे नेतृत्वलगायतक विषयमे निर्णय लेबाक बताएल गेल अइछ ।

बन्दसत्रमे आइ सात प्रदेश, उपत्यका आ भ्रातृ, शुभेच्छुक एवम् जनसम्पर्क समितिके अलग–अलग नौ समूह बना क परामर्श भ रहल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय