काठमाण्डू, २८ पुसः नेपाली कांग्रेसक विशेष महाधिवेशन पक्षधरद्वारा आयोजित महाधिवेशनके बन्दसत्र मङ्गलदिनधैर होबाक जनाओल गेल अइछ ।
मङ्गलदिन भोर ९ः०० बजेसँ बन्दसत्र फेरसँ सुरु हएत आ निर्वाचन प्रक्रिया आगु बढ़ेबाक विशेष महाधिवेशन प्रचार-प्रसार समितिक संयोजक सुवास पोखरेल आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे जानकारी देलैन ।
कांग्रेसक महामन्त्रीद्वय गगन कुमार थापा आ विश्व प्रकाश शर्मा प्रस्तुत कएने प्रतिवेदनपर बन्दसत्रमे परामर्श भ रहल आ नीतिगत निर्णयके बाद निर्वाचन प्रक्रिया आगु बढ़ेबाक ओ बतौलैन ।
दूनु प्रतिवेदनमे समूहगत परामर्श जारी रहलासँ मङ्गलदिन प्रत्येक समूह निष्कर्ष प्रस्तुत करत । “पहिले नेता चुइन क नीति बनैत छलै । अखन नीति बना क नेता चुनल जाएत । ओएह अनुसार प्रक्रिया आगु बढ़ल छै”, संयोजक पोखरेल कहलैन ।
महाधिवेशन प्रतिनिधि विशेष महाधिवेशनक लेल नाम दर्ता कराबैबलाके संख्या बढ़ल आ अखनधैर ६३ प्रतिशत पहुँचल ओ जानकारी देलैन । (रासस)





