रासस/एपी
दुबई, संयुक्त अरब इमिरेट्स, ३० पुसः इरानमे विरोध प्रदर्शनमे मृत्यु होबैबलाके संख्या दू हजार ५ सओ ७१ पहुँचल अइछ । सरकार प्रदर्शन नियन्त्रण करबाक लेल संचार माध्यमसभ बन्द कएलाक बाद स्थानीय नागरिक विदेशभे रहल अपन परिवारक सदस्यसँ मङ्गलदिन पहिल बेर फोनमार्फत सम्पर्क कएने छल ।
इरानी राज्य टेलिभिजन पहिल बेर मृतकसभक पुष्टि केलक अइछ । विरोध प्रदर्शन सुरुमे आर्थिक सङ्कटके कारण भेल छल । मुदा, बादमे सर्वोच्च नेता अली खामेनीसँ असन्तुष्टिके रूपमे रूपान्तरण भेल छल । प्रदर्शनमे खामेनीके मृत्युके माँगसहितक नारा प्रयोग कएल गेल छल ।
मानवअधिकार समूहक अनुसार मृतकमध्ये दू हजार ४ सओ ३ गोटे प्रदर्शनकारी, १ सओ ४७ गोटे सरकार सम्बन्धित, १२ गोटे बालबालिका आ ९ गोटे अन्य सामान्य नागरिक छल । १८ हजार १ सओसँ बेसी व्यक्तिकेँ गिरफ्तार कएल गेल छल ।
तेहरानमे अखन कड़ा सुरक्षा बलक उपस्थिति, सरकारी भवनमे आइगजनी, तोड़फोड़ कएल गेल एटीएम आ सड़कमे लोकसभक चहलपहल कम अइछ ।
इरानमे आर्थिक आ राजनीतिक असन्तोषक बीच विरोध प्रदर्शन तीव्र भ रहल अइछ । रासस





