महेन्द्रनगर (धनुषा), ३० पुसः मधेश प्रदेशक नवनियुक्त मुख्य न्यायाधिवक्ता डा सुनिलरञ्जन सिंह आइ पद तथा गोपनीयताक शपथ ग्रहण केलैन अइछ ।
उच्च अदालत जनकपुरके मुख्य न्यायाधीश टेकनारायण कुँवर प्रदेश प्रमुखक कार्यालयमे आइ आयोजित विशेष समारोहमे डा सिंहकेँ शपथ ग्रहण कराएल गेल अइछ ।
मधेश प्रदेशक प्रदेश प्रमुख डा सुरेन्द्रलाभ कर्णक उपस्थितिमे समारोहमे प्रदेश सरकारक उच्च पदस्थ अधिकारी, वरिष्ठ कानुन व्यवसायी तथा कानुनी क्षेत्रक प्रतिनिधिक उल्लेख्य सहभागिता छल ।
शपथके बाद डा सिंह संविधान आ प्रचलित कानुनक पूर्ण पालना करैत प्रदेश सरकारकेँ गुणस्तरीय कानुनी परामर्श आ प्रभावकारी बहस प्रदान करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । ओ न्यायिक प्रणालीकेँ आओर सबल बनाबैत सुशासन आ विधिक शासनकेँ कार्यसम्पादनके मूल आधार बनाएल जाएत कहलैन ।
प्रदेश प्रमुख कार्यालयक निमित्त सचिव सत्रुधन यादवक अनुसार शपथ ग्रहण सङे डा सिंह औपचारिक रूपमे मुख्य न्यायाधिवक्ताक कार्यभार सम्हारलक अइछ । (रासस)





