ट्रक दुर्घटनामे पाँच गोटेक मृत्यु


इनरुवा (सुनसरी), १ माघ : सुनसरीक भोक्राहा नरसिंह गाउँपालिका–९ सोनयाहीमे आइ ट्रक दुर्घटना भेलापर पाँच गोटेक मृत्यु भेल अइछ ।

मृत्यु होएबलामे बर्जु गाउँपालिका–१ क ३२ वर्षीय धीरेन्द्र गुरुङ, ५५ वर्षीय ब्रहमदेव गुरुङ, ५० वर्षीय टङ्क गुरुङ, २८ वर्षीय निसु गुरुङ आ ५५ वर्षीय चन्द्र गुरुङ रहल सुनसरीक प्रहरी नायब उपरीक्षक चन्द्रबहादुर खड्का जानकारी देलैन। दुर्घटनामे बर्जु गाउँपालिका–१ क सुन्दर गुरुङ, बैजनाथ गुरुङ आ मानबहादुर गुरुङ घायल भेल छैथ ।

विराटनगरसँ मार्बल ल क हुलाकी राजमार्ग होइत राजविराज जा रहल १ ख ४५४१ नम्बरक ट्रक अनियन्त्रित भ क पल्टलासँ दुर्घटना भेल ओ बतौलैन। ट्रक पल्टलापर लोड कएल गेल मार्बल उपर बैसल पाँच गोटे कामदार मार्बलसँ चिपा क घटनास्थलेपर मृत्यु भेल प्रनाउ खड्का बतौलैन ।

दुर्घटनामे घायल भेल सबकेँ इलाजक लेल विराटनगरस्थित विराट टिचिङ अस्पताल पठाएल गेल अइछ। घटनाक विषयमे आओर अनुसन्धान भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय सुनसरी जनौने अइछ । शव परीक्षणक लेल जिला अस्पताल इनरुवामे राखल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय