लामिछानेक मुद्दा वापस लयबला निर्णयमे बारक आपत्ति


काठमाण्डू, २ माघ: नेपाल बार एसोसिएसन राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) सभापति रवि लामिछानेक सङ्गठित अपराध आ सम्पत्ति शुद्धीकरणक मुद्दा वापस लयबला निर्णय अनुचित रहल जनौने अइछ ।

बारके महासचिव केदारप्रसाद कोइराला आइ जारी कएने प्रेस विज्ञप्तिमे महान्यायाधिवक्ता कार्यालयक लामिछानेक ओइ मुद्दा वापस लयबला निर्णय अनुचित रहल जनौने अइछ ।

“अपराधके राजनीतिकरण आ राजनीतिकक अपराधीकरण दण्डहीनताकेँ प्रश्रय द क फौजदारी न्यायक आत्मा मारैबला काम भेलासँ कानुनी शासनक प्रत्याभूतिक लेल ओइ निर्णयक विरोध करैत छी”, बार कहने अइछ, “अतः उल्लेखित निर्णय तत्काल वापस लय लेल सेहो ई एसोसिएसन माँग करैत अइछ ।”

बार फौजदारी न्याय प्रशासन स्वतन्त्र, निष्पक्ष आ पारदर्शी होएबाक चाही से मान्यता बार निरन्तर कहैत आएल आ मुद्दा वापस सम्बन्धी ओइ निर्णय प्रचलित कानुनी व्यवस्था आ अइसँ पहिने सर्वोच्च अदालत मुद्दा वापस सम्बन्धी प्रतिपादन कएने सिद्धान्तके विपरीत रहल जनौने अइछ ।

“अइ प्रकारक छनाैटपूर्ण निर्णयसँ अदालतके क्षेत्राधिकारमे सेहो आघात पहुँचल छै। स्वतन्त्र न्यायपालिकाके अवधारणामे सेहो असर पहुँचाबैत अइछ”, विज्ञप्तिमे कहल गेल छै, “अइ विषयसँ फौजदारी न्याय प्रणालीमे गम्भीर विचलन आइब कानुनक शासनक उल्लङ्घन भ कार्यकारीक स्वेच्छाचारिताकेँ बढ़ावा देबाक स्पष्ट अइछ ।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय