क्रिकेटर गुलशनकेँ एस जिके एक सालक प्रायोजन


कीर्तिपुर (काठमाण्डू), ३ माघः क्रिकेट सामग्री उत्पादनमे प्रख्यात भारतीय कम्पनी एस जी नेपाली अलराउन्डर क्रिकेट खेलाड़ी गुलशन झाकेँ एक सालक लेल सम्पूर्ण क्रिकेट सामग्री उपलब्ध करेबाक भेल अइछ ।

राजधानीसहित देशक विभिन्न भागमे क्रिकेट सामग्री बिक्री वितरण करैत आएल हिमालयन विल्लोके सहजीकरणमे ई प्रायोजन भेल अइछ । विल्लो शुक्रदिन राजधानीमे पत्रकार सम्मेलनमे उक्त जानकारी देलक अइछ ।

कार्यक्रममे हिमालयन विल्लोके प्रमुख कार्यकारी अधिकृत प्रदीप यादव क्रिकेटर झाके लेल एक सालभैर आवश्यक छ टा क्रिकेट ब्याट, १० टा पन्जासहित सम्पूर्ण सामग्रीसभ निःशुल्क उपलब्ध करेबाक जानकारी देलैन । विश्वमे प्रसिद्ध उत्पादक संस्था नेपाली क्रिकेटकेँ प्रायोजन कएल गेल ई पहिल बेर छी ।

कार्यक्रममे क्रिकेटर झा एसजिके सामग्रीसँ क्रिकेट खेलाएब हमर बाल्यकालेक सपना भेल बतौलैन । प्रमुख कार्यकारी अधिकृत यादव जल्दीए एक गोटे महिला क्रिकेटरकेँ सेहो इएह प्रकारके प्रायोजनक लेल संस्था पहल क रहल जानकारी देलैन अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय