झापा, ४ माघः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के अध्यक्ष केपी शर्मा ओली झापा निर्वाचन क्षेत्र नं. ५ सँ प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे उम्मेदवार भेल छैथ ।
अइसँ पहिनेके प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे सेहो ओली इएह क्षेत्रसँ निर्वाचित भेल छलैथ ।
शैनदिन काठमाण्डूमे भेल एमाले सचिवालय बैसारसँ अध्यक्ष ओलीसहित झापाके पाँचमध्ये चाइरटा निर्वाचन क्षेत्रके उम्मेदवारक बारेमे निर्णय कएल गेल अइछ । झापा–१ सँ रामचन्द्र उप्रेति, २ सँ देवराज घिमिरे, ४ सँ मनोज ताम्ली प्रत्याशी छैथ । रासस





