नगर प्रमुख साम्पाङद्वारा राजीनामा


धरान (सुनसरी), ५ माघः धरान उपमहानगरपालिकाके प्रमुख हर्कराज राई (साम्पाङ) पदसँ राजीनामा देलैन अइछ । रैबदिनसँ लागू होएजँका उपप्रमुख अइन्द्रविक्रम बेघासमक्ष राजीनामा पेस केलैन ।

श्रम संस्कृति पार्टीके अध्यक्ष सेहो रहल उपमहानगर प्रमुख साम्पाङ आगामी फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे सुनसरी क्षेत्र नं. १ सँ उम्मेदवारी देबाक तैयारी कएने कारण राजीनामा देने बतौलैन ।

ओ कहलैन, “हम जइ ठाम जाइ छी, ओहो धरानके विकासक लेल छै । नीति निर्माण तहमे भेल अवरोध हटाबैत धरानक समग्र विकासक मुद्दा उठेबाक हमर उद्देश्य अइछ ।”

साम्पाङ २०७९ सालके स्थानीय तह निर्वाचनमे स्वतन्त्र उम्मेदवारक रूपमे निर्वाचित भेल छलैन । अइ ठाम कार्यरत भेल समय श्रमदान अभियान, सुशासन प्रवर्द्धन तथा पिबैबला पाइनक व्यवस्थापनकेँ प्राथमिकतामे राइख हम काज कएने ओ बतौलैन ।

साम्पाङके राजीनामाके बाद उपप्रमुख अइन्द्रविक्रम बेघा कार्यवाहक प्रमुखके जिमेवारी सम्हारलैन अइछ । स्थानीय सरकार संचालन ऐनअनुसार नगर प्रमुखके पद रिक्त भेलापर उपप्रमुख कार्यवाहकके रूपमे जिमेवारी सम्हारबाक व्यवस्था अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय