न्यायालय जरलोपर न्याय नै जरल छै: प्रधानन्यायाधीश राउत


गलकोट (बागलुङ), ९ माघः सर्वोच्च अदालतके प्रधानन्यायाधीश प्रकाशमान सिंह राउत न्यायालयमे आइगलगि भेलोपर नागरिककेँ दयबला न्याय नै जरल बतौलैन ।

उच्च अदालत पोखरा बागलुङ इजालसके अत्याधुनिक भवनके आइ एत उद्घाटनके बाद बाजैत ओ न्यायालय ध्वस्त करब हिंसात्मक भेल कहैत छाउर झाइर क न्यायालय उठल बतौलैन ।

प्रधानन्यायाधीश राउत सर्वोच्च अदालतमे जरल २० हजार मिसिलमध्ये १४ हजारसँ बेसी मिसिल तैयार भ चुकल बतौलैन । उक्त मिसिल विद्वान वकिल, बार इकाई आ सरकारी वकिलके कार्यालयसँ प्राप्त भेलासँ न्यायालय पुनः उठल बतौलैन ।

नागरिक न्यायालयप्रति विश्वास बढ़ेबाक लेल सेवा प्रवाहसँ मात्रे हेत कहैत प्रधानन्यायाधीश राउत भवन मात्रे सुविधा सम्पन्न भेलासँ नै हेत, सेवा प्रवाहमे सन्तुष्टि देब आवश्यकतापर जोड़ देलैन ।

“जेनजी आन्दोलनके बाद देश संवेदनशील बनल कहैत निर्मम समीक्षा क सेवा प्रवाहमे गुणस्तर बढ़ेबाक जरुरी अइछ । हमरासभपर रहल आवेग निकललै, मुदा राज्यके तीन टा अङ्ग जरेबाक काज सुनियोजित छियै, हमरासभ उठल छियै”, ओ कहलैन, “सर्वोच्च अदालत पुरने अवस्थामे आइब रहल अइछ, निश्चिन्त भ नागरिककेँ सेवा प्रवाह करबाक लेल न्यायाधीश आ कर्मचारीकेँ आग्रह करैत छी ।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय