काठमाण्डू, १२ माघः बितल २४ घण्टामे देशभैर २४ टा विपद्क घटना भेल अइछ । हिमाली तथा उच्च पहाड़ी जिलामे हिमपातके कारण जनजीवन प्रभावित भेल अइछ ।
विपद्क विवरणमे आइगजनीके घटना सबसँ बेसी अइछ । राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण अनुसार देशभैर १६ टा आइगलगीके घटना भेल अइछ । असावधानीके कारण पुवारक टालमे आइगलगी भेल तथा आइग तापैतकाल असावधानीके कारण घायल भेल जेहन विवरण सार्वजनिक भेल अइछ । विपद्मे जमा २५ लाख ३० हजार टका बराबरके क्षति भेल अइछ, तँ सात गोटे घायल भेल अइछ ।
प्राधिकरणके विवरण अनुसार मोरङमे दू, सुनसरी, भोजपुर, सप्तरी, सिरहामे एक/एकटा आइगलगीके घटना भेल अइछ । सर्लाही, रौतहट, बारा, रामेछाप, मकवानपुर, काठमाण्डू, पाल्पा, प्यूठान, कैलालीमे सेहो आइगलगीके घटना भेल अइछ । तहिना, बागलुङ, रुकुम पूर्व, हुम्ला, बझाङ आ बैतडीमे हिमपातके कारण जनजीवन प्रभावित भेल अइछ ।
सप्तरी, कपिलवस्तु आ डोटीमे जानवरक आक्रमणके घटना भेल अइछ । विपद्सँ बचए, सावधानी अपनेबाक लेल प्राधिकरण सबकेँ आग्रह केलक अइछ । (रासस)





