चन्द्रपुर (रौतहट), १२ माघः बितल ३५ सालसँ दलित समुदायक हकअधिकारक क्षेत्रमे वकालत करैत आएल धर्मेन्द्र पासवान राष्ट्रिय सभा सदस्यमे निर्वाचित भेल छैथ ।
नेपाली कांग्रेसक दिससँ दलित ‘क्लष्टर’मे उम्मेदवारी दर्ता करौने पासवान रैबदिन सम्पन्न राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनमे निर्वाचित भेल छैथ । ओ सात हजार ९ सओ ४ मतभार प्राप्त केलैन । हुनक प्रतिद्वन्द्वी नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके रामनन्द प्रसाद एक हजार ३ सओ ७६ आ जनता समाजवादी पार्टीके चमेली देबी दास २ सओ ९ मतभार प्राप्त केलैन ।
निर्वाचित पासवान नेपाली कांग्रेस आ नेकपा एमाले गठबन्धनक दिससँ उम्मेदवारी दर्ता करौने छलैन । लम्बा समयसँ ओ नेपाली कांग्रेसमे आबद्ध छैथ । नेता पासवान बच्चेसँ समाजमे भेल विभेद, अन्याय आ बहिष्करण विरुद्ध आवाज उठाबैत आएल छलैन ।
रौतहटक परोहा नगरपालिका–३ के पासवान राजनीति शास्त्रमे स्नातक कएने छैथ । साधारण परिवारमे जन्मल पासवान बच्चेसँ दलित समुदाय सहैत आएल पीड़ा, अपमान आ अवसरके अभाव लगसँ अनुभव कएने छैथ । इएह अनुभव पद आ प्रतिष्ठासँ उपर उइठ क दलित हकअधिकार, सामाजिक न्याय आ समावेशी लोकतन्त्रक स्थापनाके लेल हम निरन्तर सङ्घर्षरत रहल हुनक कहब छैन ।
पासवान विभिन्न गैरसरकारी संस्थामार्फत समाजसेवामे उल्लेखनीय योगदान कएने बापत अन्तर्राष्ट्रिय स्तरके पुरस्कार सेहो प्राप्त कएने छैथ । अखन ओ दलित सङ्घके केन्द्रीय महासचिवके जिमेवारीमे सेहो छैथ ।
दलित समुदायक हकअधिकारक लेल हम निरन्तर सङ्घर्षरत रहलाक बादो सोचने जेहन उपलब्धी हासिल नै क सकल हुनक कहब छैन । दलित समुदायक आर्थिक समाजिक विकासक लेल अखनो निस्वार्थ रुपसँ लड़ैत रहबाक ओ प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । पासवान राष्ट्रिय सभामे दलित समुदायक उत्थानक लेल आवाज बुलन्द करबाक प्रतिक्रिया देलैन । “हम दलितक मुद्दाकेँ राष्ट्रिय सभा मार्फत उठाएब”, ओ कहलैन, “दलित मुक्तिके आन्दोलनमे कोनो ठाम रहलाक बादो सैदखन हमर सहभागिता, समर्थन रहत ।”
हुनक जीवनशैली सरल, अनुशासित आ जनमुखी रहल नेपाली कांग्रेस मधेश प्रदेशक प्रचार विभाग प्रमुख नितेश कुमार गुप्ता बतौलैन । “आर्थिक रूपमे सामान्य पृष्ठभूमिसँ आएल पासवान विलासी जीवनसँ बेसी जनताके सेवामे खुशी होएबला नेताके रूपमे चिन्हल जाइत छैथ,”, गुप्ता कहलैन, “उच्च सोच, कम अपेक्षा आ दृढ इमानदारी हुनक पहिचान छैन ।” रासस





