निर्वाचन आयोगक ‘कल सेन्टर’मे मतदाता नामावलीसम्बन्धी जिज्ञासा बेसी


काठमाण्डू, १२ माघः निर्वाचन आयोगद्वारा संचालित कल सेन्टरमे मतदाता नामावलीके बारेमे अधिकांश व्यक्ति जिज्ञासा व्यक्त केलक अइछ । मतदाता नामावलीमे नाम अइछ की नै तइ सम्बन्धमे अधिकांशके जिज्ञासा प्राप्त भ रहल सहायक प्रवक्ता कुल बहादुर जिसी जानकारी देलैन ।

अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनकेँ लक्षित क निर्वाचन आयोग इएह माघ ५ गतेसँ कल सेन्टर संचालन कएने छल । कल सेन्टर मतदाता, सरोकारवालाके विभिन्न जिज्ञासाके जवाफ देबाक काज करैत अइछ । आयोग परिसरमे सुरु कएल गेल कल सेन्टरमे रैबदिनधैर ८ सओ ८२ गोटे जिज्ञासा राखने अइछ ।

अइ अवधिमे मतदाता नामावलीके विषयमे ४ सओ २० टा जिज्ञासाके सम्बोधन कएल गेल अइछ । निर्वाचन आचारसंहिताके विषयमे ७२ टा प्रश्नके सम्बोधन कएल गेल अइछ । मतदाता शिक्षासम्बन्धी ३६ आ अन्य २ सओ ६४ प्रश्नके सम्बोधन कएल गेल आयोग जनौलक अइछ । तहिना, निर्वाचनसम्बन्धी अन्य विषयमे सेहो जिज्ञासा राखल गेल छल ।

आयोग कल सेन्टरमार्फत भोर ९ः०० बजेसँ साँझ ६ः०० बजेधैर जिज्ञासाके जवाफ दैत अइछ । निःशुल्क टोल फ्री नम्बर ११०२ मे फोन क मतदाता, नागरिक आ सरोकारवासभ जिज्ञासा राइख सकैत अइछ । एक बेरमे १५ गोटेधैर फोन कएलापर कल होल्डमे नै रहबाक व्यवस्था अइछ । निर्वाचित उम्मेदवारकेँ प्रमाणपत्र वितरण नै भेलाधैर कल सेन्टर संचालनमे रहबाक सहायक प्रवक्ता जिसी बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय