आधिकारिक स्रोतकेँ मात्रे आधार माइन क सूचना देबाक लेल आयोगक आग्रह


काठमाण्डू, १२ माघः निर्वाचन आयोगक कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारी अगिला फाुगन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल संचार माध्यमसभसँ आधिकारिक स्रोतकेँ मात्रे आधार माइन क समाचार एवं सूचना प्रवाह करबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।

सार्वजनिक सेवा प्रसारण नेपाल आइ आयोजन कएने ‘प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन २०८२ आचारसंहिता अभिमुखीकरण’ विषयक कार्यक्रममे प्रमुख आयुक्त भण्डारी निर्वाचनक क्रममे भ्रामक समाचार फैलाबैबलासँ बचबाक लेल सुझाव देलैन । नागरिककेँ अखनके समयमे अत्यन्त सत्यतथ्य समाचार सामग्रीके अभाव भेलासँ विशेष क संचार माध्यमके आचारसंहिताके पालना करए आ करेबाक लेल भूमिका निर्वाह करबाक चाही से ओ धारणा व्यक्त केलैन ।

ओ कहलैन, “संचार माध्यमके सकभैर निर्वाचनक समाचार लिखैतकाल आधिकारिक स्रोतकेँ मात्रे आधार बनेबाक लेल अनुरोध करैत छी ।” डिटिल प्लेटर्फम कृत्रिम बुद्धिमता (एआई) जेहन एप्स प्रयोग क अखन सामाजिक संजालमे केकरो छविमे ठेस पहुँचैजँका श्रव्यदृश्य सामग्री भेटलासँ एकरा व्यवस्थापन करबाक लेल निर्वाचन आयोग मेटा, टिकटकलगायत सामाजिक संजालसँ सम्झौता करए लागल जानकारी देलैन ।

कार्यक्रममे आयोगक सचिव कृष्ण बहादुर राउत निर्वाचनक आचारसंहिता पालन करए आ करेबाक लेल निगरानी करबाक दायित्व संचार माध्यमके होबाक बतौलैन । विशेष क नेपाल टेलिभिजन, रेडियो नेपाल, राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) लगायतक सरकारी संचार माध्यम नागरिक समक्ष सत्य आ आधिकारिक समाचार सम्प्रेषणमे बेसी जिमेवार होबए पड़त से हुनक कहब छलैन । राससद्वारा संचार गृहअन्तर्गत आन्तरिक रुपमे निर्वाचन आचारसंहिता बनाएल गेल काजके प्रशंसा करैत ओ आन संचार गृहके सेहो एहन अभ्यास सुरु करबाक चाही से ओ बतौलैन ।

संचार तथा सूचनाप्रविधि मन्त्रालयके सचिव लक्ष्मी कुमारी बस्नेत आसन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक क्रममे नागरिककेँ सही सूचना देबाक आ निर्वाचन सफल बनेबाक लेल सहयोग करबाक लेल संचारमाध्यमके महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करबाक चाही से उल्लेख केलैन । सार्वजनिक सेवा प्रसारण नेपालक अध्यक्ष डा. महेन्द्र विष्ट संचारमाध्यमके निर्वाचन आचारसंहिता सङे पत्रकारक आचारसंहिताकेँ ध्यानमे राइख पत्रकारिता करबाक लेल सुझाव देलैन । संचारकर्मीके अपनेसँ आचारसंहिता पालन भेल अइछ की नै से जाँच करबाक चाही ओ धारणा व्यक्त केलैन । कोनो पार्टीके उम्मेदवार या विचार धाराके बात सामाजिक संजालमे राखबाक जेहन गतिविधि नै क निष्पक्ष ढङ्गसँ पत्रकारिताके धर्म निर्वाह करबापर ओ जोड़ देलैन ।

सार्वजनिक सेवा प्रसारण नेपाल देशभैरके अपन समाचारदाताकेँ भिडियो कलमार्फत निर्वाचन आचारसंहिताके बारेमे अभिमुखीकरण तालिम देलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय