भक्तपुर, १३ माघः अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक लेल प्रत्यक्षदिसके मतपत्र छपाइके काज सोमदिनसँ सुरु भेल अइछ ।
निर्वाचन आयोगक कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारीलगायत आयोगक पदाधिकारीसभक टोली सोमदिन जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र लिमिटेड सानोठिमी जा क प्रत्यक्षदिसके मतपत्र छपाइके अनुगमन एवं निरीक्षण केलैन अइछ । हुनकासभकेँ केन्द्रक प्रबन्ध संचालक यदुनाथ पौडेल मतपत्र छपाइ अवस्थाके बारेमे जानकारी देलैन ।
केन्द्रमे मतपत्र छपाइके निरीक्षणक बाद संचारकर्मीसभकेँ जानकारी दैत प्रमुख निर्वाचन आयुक्त भण्डारी सोमदिन प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक समानुपातिक दिसके मतपत्र छपाइके काज सम्पन्न क प्रत्यक्षदिसके मतपत्र छापबाक काज सुरु कएल गेल बतौलैन ।
ओ कहलैन, “समानुपातिक दिसके दू करोड़ आठ लाख ५४ हजार ८ सओ प्रति मतपत्र छपाइ सम्पन्न भेल छै । सोमदिनसँ प्रत्यक्ष दिसके दू करोड़ तीन लाख २३ हजार मतपत्र छापबाक काज सुरु भेल छै । अगिला १५ दिनमे सब मतपत्र छपाइ भ जाएत । अगिला फागुन ५ गतेधैर सब निर्वाचन क्षेत्रमे मतपत्र पठेबाक योजना छै ।”
निर्वाचन आयोगसँ निर्वाचन क्षेत्र, निर्वाचन स्थल आ केन्द्रमे पठाबैबला मतपत्रसहित विभिन्न साधनसभ पठेबाक काज सुरु भेल जानकारी दैत ओ मतदानसँ पहिने मतपत्रके सुरक्षा सङे निर्वाचनक सब तैयारी लगभग पूरा भेल बतौलैन ।
एक करोड़ ८९ लाख तीन हजार ६ सओ ८९ मतदाताकेँ मतदानक लेल १० हजार ९ सओ ६७ मतदानस्थलअन्तर्गत २३ हजार १ सओ १२ मतदान केन्द्र निर्धारण कएल गेल कहैत भण्डारी निर्वाचनकेँ सफल बनेबाक लेल सबकेँ संवेदनशील होबाक चाही से उल्लेख केलैन । जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र १० लाख ९८ हजार २ सओटा नमूना मतपत्र छाइप क अइसँ पहिने निर्वाचन आयोगकेँ पठाइब चुकल अइछ । (रासस)





