आचारसंहिता उल्लंघन कएने उजुरीके आधारमे आयोगद्वारा स्पष्टीकरण माँग


काठमाण्डू, १३ माघः निर्वाचन आयोग निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ उल्लङ्घन करैबला राजनीतिक दल, उम्मेदवार, सरकारक पदाधिकारी आ गैह्रसरकारी संस्थासँ स्पष्टीकरण माँग केलक अइछ ।

इएह माघ ४ गते राति १२ बजेसँ निर्वाचन आचारसंहिता लागू भेलाक बाद माघ ११ गतेधैर आठटा स्पष्टीकरण माँग कएल गेल आयोगक सहायक प्रवक्ता सीता पुन श्रीस राससकेँ जानकारी देलैन । आयोग काठमाण्डू जिला निर्वाचन क्षेत्र नं. ४ सँ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा) के उम्मेदवार वरिष्ठ अधिवक्ता डा. सुरेन्द्र भण्डारी आ कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मत कुमार कार्कीसँ माघ ७ गते स्पष्टीकरण माँग कएल गेल अइछ । दूनु गोटेकेँ तीन दिनमे स्पष्ट जवाफ पेस करबाक लेल पत्राचार कएलाक बादो अखनधैर जवाफ प्राप्त नै भेल ओ बतौलैन ।

काठमाण्डू जिला क्षेत्र नं. ४ के उम्मेदवार भण्डारीसँ निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा ४ के खण्ड (च) अनुसार स्पष्टीकरण माँग कएल अइछ । ओइ दफाअनुसार ज्येष्ठ नागरिक, महिला, यौनिक तथा लैङ्गिक अल्पसङ्ख्यक समुदाय आ अपाङ्गता भेल व्यक्तिके भावनामे ठेस पहुँचेबाक या चरित्र हत्या होएजँका निर्वाचन प्रचारप्रसार नै करब या नै कराएब से व्यवस्था अइछ ।

तहिना, कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री कार्कीकेँ निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा ५ के खण्ड (क) अनुसार स्पष्टीकरण पुछल गेल अइछ । ओइ दफामे नेपाल सरकार, प्रदेश सरकार, मन्त्री आ स्थानीय कार्यपालिका तथा ओइ निकायक पदाधिकारीके पालन करबाक आचरणके विषय उल्लेख अइछ । ओइ दफाके खण्ड (क) मे कोनो राजनीतिक दल या उम्मेदवारक पक्ष या विपक्षमे प्रचार-प्रसारमे संलग्न हएब या प्रचार-प्रसार नै करबाक चाही से व्यवस्था अइछ । ई व्यवस्था पालन नै भेल कहि आयोगमे उजुरी आएल अइछ ।

दोलखा जिला निर्वाचन क्षेत्र नं. १ मे राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके उम्मेदवार जगदीश खरेलकेँ निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा १३ के उपदफा (१) के खण्ड (ढ) आ (ण) बमोजिम माघ ८ गते तीन दिनमे स्पष्ट जवाफ पेस करबाक लेल पत्राचार कएल गेल छल । अखनधैर स्पष्टीकरण माँग कएल गेल आठ गोटेमध्ये खरेल मात्रे स्पष्टीकरण पेस कएने आयोगक सहायक प्रवक्ता श्रीस जानकारी देलैन । खरेलद्वारा गल्ती, कमीकमजोरी भेल अइछ की नै से सुधार करबाक कहि पेस कएल गेल स्पष्टीकरण सन्तोषजनक भेलाक कारण आब गल्ती, कमी कमजोरी नै करबाक लेल सचेत कराएल गेल आयोग जनौलक अइछ ।

आयोग अखिल नेपाल फुटबल सङ्घ (एन्फा) केँ एन्फा अर्डिनरी कंग्रेसक निर्वाचन आयोजन भेल विषयमे दू दिनमे स्पष्ट जवाफ पेस करबाक लेल माघ ८ गते स्पष्टीकरण पुछने छल । जइके जवाब प्राप्त नै भेल अइछ । इएह विषयमे आयोग राष्ट्रिय खेलकुद परिषद्केँ सेहो दू दिनमे स्पष्टीकरण पेस करबाक लेल माघ ८ गते स्पष्टीकरण पुछने छल । परिषद् अखनधैर आयोगमे स्पष्टीकरण पेस नै कएने अइछ । सरकार मातहतके परिषद् सेहो आयोगकेँ समयमे स्पष्टीकरण पेस नै कएने अइछ ।

नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी जाजरकोटके उम्मेदवार शक्ति बहादुर बस्नेतकेँ सेहो आयोग माघ ९ गते निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा १३ के उपदफा (१) के खण्ड (झ) आ (ण) बमोजिम माघ ९ गते तीन दिनमे स्पष्ट जवाफ पेस करबाक लेल पत्राचार कएने छल । आचारसंहिताके दफा १३ मे जुलुस, सभा, कोणसभा, बैसार या निर्वाचन प्रचार-प्रसारसम्बन्धी काज करैत समय पालन करबाक आचरण उल्लेख अइछ । बस्नेत सेहो अखनधैर स्पष्टीकरण पेस नै कएने छैथ ।

कोशी प्रदेशक उद्योग, कृषि तथा सहकारीमन्त्री इस्राइल मन्सुरीकेँ सेहो माघ ९ गते निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा ५ के खण्ड (क) बमोजिम तीन दिनमे स्पष्ट जवाफ पेस करबाक लेल पत्राचार कएल गेल छल । मन्सुरी सेहो आयोगकेँ स्पष्टीकरण पेस नै कएने छैथ । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके दिससँ ओखलढुङ्गा जिला निर्वाचन क्षेत्र नं. १ के प्रतिनिधि सभा सदस्य उम्मेदवार विश्वराज पोखरेलकेँ निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा १३ के उपदफा (१) के खण्ड (ण) बमोजिम माघ १० गते तीन दिनमे स्पष्ट जवाफ पेस करबाक लेल पत्राचार कएल गेल छल । जेकर जवाब सेहो अखनधैर प्राप्त नै भेल आयोग जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय