वीरगञ्ज नाकासँ पेट्रोलियम पदार्थ आयात बढ़ल


वीरगञ्ज (पर्सा), १३ माघः वीरगञ्ज नकासँ चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे ९० अरब छ करोड़ टका बराबरके पेट्रोलियम पदार्थ आयात कएल गेल अइछ । वीरगञ्ज नाकासँ बितल आर्थिक वर्षके छ महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे दू अरब ७५ करोड़ टकासँ बेसीके पेट्रोलियम पदार्थ आयात कएल गेल अइछ । चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे पेट्रोलियम पदार्थके आयातसँ ३७ अरब ८५ करोड़ टका राजस्व संकलन भेल अइछ ।

वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्टके कहब अनुसार बितल आर्थिक वर्षके छ महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे पेट्रोलिम पदार्थके आयात आ ओइसँ प्राप्त होएबला राजस्वमे सेहो वृद्धि भेल अइछ । जबकी बितल आर्थिक वर्षके छ महिनामे ८७ अरब ३१ करोड़ टकाके पेट्रोलियम पदार्थ आयात कएलापर ३६ अरब १४ करोड़ टका राजस्व संकलन भेल छल ।

भंसार कार्यालय अनुसार चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे ४५ अरब ३८ करोड़ टका बराबरके डिजेल आयात कएल गेल अइछ, तँ १९ अरब ८५ करोड़ टका राजस्व संकलन भेल अइछ । तहिना, ओएह अवधिमे २० अरब ९८ करोड़ टकाके पेट्रोल आयात कएलापर १३ अरब ८२ करोड़ टका राजस्व संकलन भल अइछ । तहिना, १४ अरब ७९ करोड़ टकाके एलपीजी ग्यास आयात कएल गेल अइछ, तँ दू अरब ७७ करोड़ टका राजस्व संकलन भेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय