बालबालिकाकेँ चुनावी प्रचारमे प्रयोग कएल गेलापर ध्यानाकर्षण


काठमाण्डू, १३ माघः बालबालिका शान्ति क्षेत्र राष्ट्रिय अभियान (सिजप) निर्वाचन आचारसंहिता विपरीत बालबालिकाकेँ चुनावी प्रचारप्रसारमे प्रयोग कएल गेल क्रियाकलापप्रति गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल जनौलक अइछ ।

बालबालिकाकेँ जुलुसमे सहभागी कराएल गेल, राजनीतिक दलके चुवान चिन्ह आ उम्मेदवारके तस्वीर भेल टिसर्ट लगाए क प्रयोग कएल गेल, पार्टी कार्यालय आ सम्पर्क कार्यालयमे विद्यालय पहिरनेमे धीयापूताके उपस्थित कराएल गेल, दलगत प्रचारप्रसारक लेल धीयापूताक प्रयोग कएल गेल समाचार आएल कहैत उक्त अभियानद्वारा आपत्ति जनाएल गेल अइछ । आचारसंहिताके प्रभावकारी अनुगमन आ कारवाहीक लेल सिजप निर्वाचन आयोगकेँ आग्रह सेहो केलक अइछ ।

बालबालिकासम्बन्धी ऐन, २०७५ आ विद्यालय शान्ति क्षेत्र राष्ट्रिय ढाँचा आ कार्यान्वयन निर्देशिका, २०६८के विरुद्ध कएल गेल एहन क्रियाकलाप धीयापूताक मनोभावना, हुनकासभक सुरक्षा सङे विद्यालयक शैक्षिक कार्यक्रममे प्रत्यक्ष असर करबाक अतिरिक्त धीयापूताक भविष्य तथा पूरा समाजकेँ दूरगामी रूपमे नकारात्मक असर होबाक पौडेलके कहब रहल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय