निर्वाचनक ३६ दिन बाँकीः आचारसंहिता अनुमगनक लेल अनुमगन अधिकृत तोकल गेल


काठमाण्डू, १४ माघः निर्वाचन आयोगद्वारा निर्वाचन आचारसंहिता अनुगमनक लेल अनुमगन अधिकृत तोकल गेल अइछ ।

आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराईके कहब अनुसार जिलास्तरमे आचारसंहिता अनुमगनकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल सहायक प्रमुख जिला अधिकारीकेँ जिमेवारी देल गेल अइछ । सहायक प्रमुख जिला अधिकारीकेँ आर्थिक बाहेक अन्य विषयके जिमेवारी देल गेल आयोग जनौलक अइछ । प्रमुख कोष नियन्त्रक, कोष नियन्त्रकसभकेँ आर्थिक विषयसँ सम्बन्धित विषयमे अलग–अलग काज करबाक जिमेवारीसहित निर्वाचन आचारसंहिता अनुगमन अधिकृत तोकल गेल आयोग जनौलक अइछ ।

प्रतिनिधि सभाके निर्वाचन अगिला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल अइछ । निर्वाचनकेँ स्वच्छ, निष्पक्ष, पारदर्शी एवं विश्वासनीय रुपमे सम्पन्न करबाक लेल आयोगद्वारा निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ कार्यावंयनमे आनल गेल अइछ । आचारसंहिता इएह माघ ४ गतेसँ लागू कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय