मिथिला चित्रकला तालिम काठमाण्डूमे सुरु


काठमाण्डू, १५ माघः काठमाण्डूमे मिथिला चित्रकलाके चाइर दिनक प्रयोगात्मक तालिम सुरु भेल अइछ । मिथिला चित्रकलाके प्रर्वद्धन करबाक उदेश्यसँ तालिम सुरु कएल गेल अइछ । मिथिला थाली बाई सेफ सन्तोष साह, सुड़ी महिला कल्याण समाज आ रोटरी न्यातपोलके सहकार्यमे तालिमक आयोजन कएल गेल अइछ ।

मिथिला कलाप्रति जिज्ञासा राखैबला युवा, महिला तथा बालबालिका लक्षित क आयोजित तालिमक सहभागीकेँ आधारभूत चित्रकला सीप, डिजाइन आ रङ संयोजनक प्रशिक्षण देल जाएत से तालिमक प्रशिक्षक प्रतिभा मिश्र जानकारी देलैन ।

तालिम पहिल दिन नक्साल, दोसर दिन गौशाला आ तेसर दिन झम्सीखेलस्थित मिथिला थालीमे तालिम संचालन हएत । तीन दिनक प्रशिक्षणके बाद १० दिनक अन्तरालमे नक्सालस्थित मिथिला थालीमे अन्तिम चित्रकला प्रतियोगिता आयोजन कएल जाएत । तालिममे ३० गोटेसँ बेसीके सहभागीता अइछ ।

तालिमक उद्घाटन करैत मास्टर सेफ सन्तोष साह मिथिला चित्रकलाकेँ जनकपुरमे मात्रे सीमित नै राइख देशविदेशमे चिनेबाक उद्देश्यसँ तालिम आयोजन कएल गेल बतौलैन ।

“धर्म, संस्कृति, परम्परा आ कलाकेँ जोगेबाक सङे नयाँ पुस्ताकेँ संस्कृतिके ज्ञान देबए पड़त”, साह कहलैन, “महिलाकेँ कलामार्फत आत्मनिर्भर बनेबाक हमरासभक दोसर लक्ष्य छै । तइ, हमसभ ई तालिम आयोजन कएने छी ।”

परीक्षार्थीकेँ प्रतिभा मिश्र, शारदा झा, सोनम कर्ण, प्रिया पुर्वे, अदिती झालगायतक प्रशिक्षक मिथिला चित्रकलाके बारेमे तालिम प्रदान करत । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय