सहिदसभक आकांक्षा पूरा करबाक लेल मन, वचन आ कर्मसँ समर्पित होबए पड़तः राष्ट्रपति


काठमाण्डू, १६ माघः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल सम्पूर्ण राजनीतिक दल, आम जनसमुदाय आ सम्बद्ध सबकेँ नेपाल राष्ट्र आ नेपाली जनताके स्वाधीनताके लेल सहादत प्राप्त कएने सहिदसभक आकांक्षा पूरा करबाक लेल मन, वचन आ कर्मसँ समर्पित होबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।

सहिद दिवसके अवसरमे आइ संदेश जारी करैत राष्ट्रपति पौडेल अपन अमूल्य जीवनकेँ जनता आ राष्ट्रके हितक लेल समर्पण केनाइ सहादत भेलासँ ई दिवस सहिदसभक आकांक्षा पूरा करबाक लेल प्रेरणा आ हौसला प्रदान करत से कामना केलैन ।

नागरिक स्वतन्त्रता, लोकतन्त्रके स्थापना आ राष्ट्रियताके रक्षाके लेल अपन अमूल्य जीवन त्याग करैबला महान् सहिदसभ शुक्रराज शास्त्री, धर्मभक्त माथेमा, दशरथ चन्द, गङ्गालाल श्रेष्ठलगायत सम्पूर्ण ज्ञात–अज्ञात अमर सहिदसभप्रति भावपूर्ण श्रद्धाञ्जली अर्पण करैत ओ सहिद दिवस देशक लेल प्राण आहुति देनिहार महान् सहिदसभकेँ विशेष याद कएल जाएबला दिनके रुपमे भेल स्मरण केलैन ।

“नेपाली जनताकेँ सार्वभौमसत्ता सम्पन्न नागरिक बनेबाक लेल इतिहासक विभिन्न कालखण्डमे सामन्ती, निरङ्कुश आ तानाशाही शासन व्यवस्था विरुद्ध भेल विभिन्न आन्दोलनमे अपन जीवन बलिदान करैबला वीर वीरङ्गनासभकेँ याद करैत हरेक साल माघ १६ गतेकेँ सहिद दिवसके रूपमे अपनासभ मनाबैत छी”, संदेशमे कहल गेल अइछ, “महान् सहिदसभक बलिदानद्वारा प्राप्त भेल सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रात्मक शासन व्यवस्थाके माध्यमद्वारा दीर्घकालीन शांति, सुशासन, विकास आ समृद्धिके आकांक्षा पूरा करबाक लेल अग्रसर भेनाइ सहिदप्रति सच्चा श्रद्धाञ्जली हएत से विश्वास हमरा अइछ ।” रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय