काठमाण्डू, १६ माघः स्थानीय बजारमे आइ सोना चाँदीके दाम घटल अइछ । वृहस्पैतदिनके तुलनामे आइ सोना चाँदीके दाम घटल अइछ ।
नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासङ्घक अनुसार आइ एक तोला सोनाके दाम तीन लाख १८ हजार ८ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम सात हजार ६५ टका कायम भेल अइछ ।
वृहस्पैतदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख ३९ हजार ३ सयो टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम सात हजार ५ सओ ५ टका कायम भेल छल, तँ बुधदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख १८ हजार ८ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम सात हजार ३ सओ टका कायम भेल छल । मङ्गलदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख नौ हजार ३ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम छ हजार ८ सओ ७० टका कायम भेल छल ।
अन्तर्राष्ट्रिय संचारमाध्यमसभक अनुसार आइ अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे एक औँस सोना पाँच हजार ५ सओ ३७ आ ओएह परिमाणक चाँदी १ सओ १७ अमेरिकी डलरमे कारोबार भ रहल अइछ । रासस





