क्यानाडाकेँ विमानमे ५० प्रतिशत कर लगेबाक ट्रम्पके चेतावनी


वासिङ्टन, १६ माघः अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प अमेरिकामे बिक्री होएबला क्यानाडाकेँ विमानमे ५० प्रतिशत कर लगेबाक चेतावनी देलैन अइछ । क्यानाडाद्वारा जर्जियास्थित गल्फस्ट्रीम एयरोस्पेसके जेट विमानकेँ प्रमाणीकरण करएसँ अस्वीकार कएल गेल आरोप लगाबैत ट्रम्प बदला स्वरूप ई चेतावनी देलैन अइछ ।

वृहस्पैतदिन सामाजिक संजालमे पोस्ट करैत अमेरकी राष्ट्रपति ट्रम्प क्यानाडा अपन निर्णय तत्काल नै सचियाओत तँ अमेरिकामे बिक्री होएबला सब क्यानाडेली विमानमे उच्च कर लगेबाक उल्लेख केलैन अइछ । बोम्बार्डियरके ग्लोबल एक्सप्रेस व्यापारिक जेटसभक प्रमाणपत्र रद्द करबाक प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल ओ दाबी सेहो केलैन । उड्डयन विश्लेषण कम्पनी सिरियमके अनुसार अखन अमेरिकामे दर्ता भ संचालनमे रहल करिब १ सओ ५० ग्लोबल एक्सप्रेस विमान अइछ ।

बोम्बार्डियर आ गल्फस्ट्रीम व्यापारिक जेट बजारके प्रत्यक्ष प्रतिस्पर्धी अइछ । बोम्बार्डियर विज्ञप्ति जारी क राष्ट्रपति ट्रम्पके अभिव्यक्तिकेँ गम्भीर रूपमे लेने आ क्यानाडा सरकारसँ निरन्तर सम्पर्कमे रहल जनौलक अइछ । कम्पनी अपन सब विमान अमेरिकी सङ्घीय उड्डयन प्रशासनके मापदण्डअनुसार पूर्ण रूपमे प्रमाणित रहल आ अमेरिकामे अपन संचालन विस्तार भ रहल स्पष्ट केलक अइछ ।

क्यानाडा सरकारक प्रवक्तासभ अइ विषयमे तत्काल काेनाे प्रतिक्रिया नै देलैन अइछ । मुदा, म्याकगिल विश्वविद्यालयके उड्डयन विज्ञ जोन ग्रेडेक प्रमाणीकरण सुरक्षा विषयसँ सम्बन्धित होएबला आ व्यापारिक कारणसँ प्रमाणपत्र रद्द केनाइ उचित नै होबाक बतौलैन अइछ ।

अइसँ पहिने सन् २०१७ मे पहिल ट्रम्प प्रशासनके समयमे अमेरिकी वाणिज्य मन्त्रालय बोम्बार्डियरपर अनुचित सरकारी अनुदानके आरोप लगाबैत जरिवाना कएने छल । मुदा, बादमे अमेरिकी अन्तर्राष्ट्रिय व्यापार आयोग क्यानाडेली कम्पनी अमेरिकी उद्योगकेँ कोनो क्षति नै कएने ठहर कएने छल ।

विश्लेषकसभक अनुसार यदि अमेरिकी बजार बोम्बार्डियरक लेल बन्द भेल तँ क्युबेकस्थित अइ कम्पनीकेँ पैघ आर्थिक समस्या हएत । क्यानाडाके अन्य विमान निर्माता तथा क्यानाडामे उत्पादन होएबला एयरबसके परियोजनामे सहो एकर प्रभाव पैड़ सकत से अनुमान कएल गेल अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय