निर्वाचन ३३ दिन बाँकीः आचारसंहिता पालना कराबय लेल आयोग सक्रिय


काठमाण्डू, १७ माघः निर्वाचन आयोग आचारसंहिता उल्लङ्घनकेँ नियन्त्रण करए लेल तीव्रतासँ अपन गतिविधि आगाँ बढ़ौने अइछ।

आबैबला फागुन २१ गतेक लेल तय भेल प्रतिनिधिसभाक निर्वाचनकेँ स्वच्छ, निष्पक्ष, पारदर्शी तथा विश्वसनीय बनाबय लेल निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ कार्यान्वयनमे अनने अइछ। आचारसंहिताक पूर्ण पालना करेबाक लेल आयोग सरोकारवाला सब पक्षकेँ ध्यानाकर्षण कराबैत आइब रहल अइछ। केन्द्रीय आचारसंहिता अनुगमन समितिमे प्राप्त उजुरी आ जानकारीक आधारमे एखनधैर राजनीतिक दल, उम्मेदवार आ संस्थाकेँ २१ टा स्पष्टीकरण माँगल गेल छल।

ताहिमेसँ पाँचटा मात्रे जवाफ प्राप्त भेल आ बाँकी जवाफक लेल ताकेता भ रहल आयोग जनौने अइछ। आचारसंहिताक उल्लङ्घन होएबाक जकाँ मिथ्या एवम् भ्रमपूर्ण आ घृणास्पद अभिव्यक्ति देनिहार व्यक्तिके निगरानी करए लेल आ गैरकानुनी कार्य करैबला व्यक्ति वा संस्थाकेँ नियामक निकायसँ सहकार्य करैत कानुनी दायरामे आनय लेल पहल भ रहल आयोग जनौने अइछ।

आयोगमे स्थापना कएल गेल निर्वाचन सूचना सम्प्रेषण तथा समन्वय केन्द्र अन्तर्गत सूचना सदाचार प्रवर्धन इकाइ पूर्ण रूपमे क्रियाशील रहल आयोग जनौने अइछ। ओइ इकाइद्वारा पता लगाएल गेल कूल ३०२ हानिकारक सूचना निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२, विद्युतीय (इलेक्ट्रोनिक) कारोबार ऐन, २०६३ आ प्रेस काउन्सिल ऐन, २०४८ बमोजिम कारबाहीक लेल सम्बद्ध निकायमे पठाएल गेल आयोगक प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन।

निर्वाचनक मर्यादा आ स्वच्छतामे चुनौती दयबला कोनो गतिविधि भेलापर आयोग, मुख्य निर्वाचन अधिकृतक कार्यालय, निर्वाचन अधिकृतक कार्यालय, प्रदेश/जिला निर्वाचन कार्यालय तथा जिला आचारसंहिता अनुगमन अधिकृत समक्ष लिखित, मौखिक एवम् विद्युतीय माध्यमसँ उजुरी देबाक व्यस्था रहल आयोग प्रष्ट कएने अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय