सोना चाँदीके दाम घटल


काठमाण्डू, १८ माघः स्थानीय बजारमे आइ सोना चाँदीके दाम घटल अइछ । शुक्रदिनके तुलनामे आइ सोना चाँदी दूनुके दाम घटल अइछ ।

नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासङ्घक अनुसार आइ एक तोला सोनाके दाम तीन लाख आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम पाँच हजार ५ सओ टका कायम भेल अइछ ।

बितल शुक्रदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख १८ हजार ८ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम सात हजार ६५ टका कायम भेल छल ।

वृहस्पैतदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख ३९ हजार ३ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम सात हजार ५ सओ ५ टका कायम भेल छल, तँ बुधदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख १८ हजार ८ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम सात हजार ३ सओ टका कायम भेल छल । मङ्गलदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख नौ हजार ३ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम छ हजार ८ सओ ७० टका कायम भेल छल ।

अन्तर्राष्ट्रिय संचारमाध्यमसभक अनुसार आइ अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे एक औँस सोना चाइर हजार ८ सओ ६५ डलर आ ओएह परिमाणक चाँदी ८५ अमेरिकी डलरमे कारोबार भ रहल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय